जेडीयू कें कम सीटक बादो की नीतीश बनता अगला सीएम? जानू की कहलक बीजेपी

बिहार विधानसभाक 243 सीट कें लेल मतगणना लगातार जारी अछि। अखन धरी आबि रहल रुझान मे जनता दल यू भाजपा सं बहुत पिछरैत नजैर आबि रहल अछि। मतगणनाक फाइनल नतीजा सेहो एहने रहल त' भाजपा बिहार मे छोट सं बड़का पार्टी कें भूमिका मे आबि जायत।

0
159

बिहार विधानसभाक 243 सीट कें लेल मतगणना लगातार जारी अछि। अखन धरी आबि रहल रुझान मे जनता दल यू भाजपा सं बहुत पिछरैत नजैर आबि रहल अछि। मतगणनाक फाइनल नतीजा सेहो एहने रहल त’ भाजपा बिहार मे छोट सं बड़का पार्टी कें भूमिका मे आबि जायत।

आब राजनीतिक गलियारा मे ई सवाल उठि रहल अछि जे की आब सेहो भाजपा बिहार मे नीतीश कुमार कें सीएम बनओता? कहीं एहन त’ नहि अछि जे बेसी सीटक वजह सं भाजपा, बिहार सरकार मे आब अपन बड़का भूमिका देखय लागल अछि आ प्रदेशक मुखिया कें कुर्सी पर अपन कोनो नेता कें देखय चाहैत अछि? कही दी जे भाजपा, बिहार कें ल’ पहिने सार्वजनिक तौर पर ऐलान क’ चुकल अछि जे बेसी सीट जीतलक बाद सेहो एनडीए कें ओर सं बिहारक सीएम नीतीश कुमारे रहता।

प्रधानमंत्री नरेन्‍द्र मोदी, गृहमंत्री अमित शाह आ भाजपा कें राष्‍ट्रीय अध्‍यक्ष जे.पी.नड्डा अलग-अलग मौका पर जनताक बीच ई ऐलान क’ चुकल छथि। मंगलदिन मतगणना कें दौरान भाजपाक पक्ष मे आबि रहल रुझानक बीच पार्टी कें प्रदेश अध्‍यक्ष संजय जायसवाल एक बेर फिर दोहरोलनि जे बिहारक सीएम नीतीश कुमार बनता। ओ कहलनि जे भाजपा पहिने ई ऐलान क’ चुकल अछि। आब अहि सवाल कें कोनो मतलब नहि। ओ कहलनि जे हमरा समैझ नहि आबि रहल अछि जे अहि तरहक सवाल किएक उठाओल जा रहल अछि। जनता दल यूनाइटेड कें नेता कें.सी.त्‍यागी सेहो कहलनि जे बिहार मे सीएम पद कें ल’ कोनो सवाल नहि अछि। चुनावक पहिने सं तय अछि जे नीतीश कुमार सीएम बनता।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here