बंगाल मे कोरोना वायरस कें ल’ जमि क’ राजनीति भ’ रहल अछि। भारतीय जनता पार्टी (बीजेपी) केर राज्य इकाइ ट्विटर पर एकटा वीडियो पोस्ट करैत आरोप लगओलक जे राज्य मे कोरोना सं मरएबला एक आओर व्यक्तिक शव कें रातिक अन्हार मे चोरा-नुका क’ अंतिम संस्कार करबाक प्रयास कएल जा रहल अछि आ ई किन्नहु उचित बात नै अछि।

राज्यक बीजेपी इकाइ सोशल मीडिया पर वीडियो पोस्ट करैत लिखलक, ‘ई विश्वास सं बाहर अछि! एकटा आओर कोरोना पॉजिटिव डेड बॉडी कें राताराती निस्तारण करबाक कोशिश कएल गेल। एहि बेर बैरकपुरक स्थानीय लोक सब विरोध केलनि! ममता बनर्जी प्रशासनक एहन गुप्त उपायक सहारा किए ल’ रहल अछि? किछु जरूर नुकेबाक कोशिश कएल जा रहल अछि?’

दोसर, पश्चिम बंगाल सरकार दिस सं कोरोना वायरस कें ल’ अलग तरहें आंकड़ा जारी कएल जा रहल अछि। बंगाल मे कोरोना सं पीड़ित अखन धरि 105 लोकक मृत्यु भ’ चुकल अछि, परन्तु राज्य सरकार दिस सं जारी आंकड़ा अनुसार अहि मे सं 33 केर मौत कोरोना केर वजह सं भेल, जखन कि शेष 72 कोरोना पीड़ित केर मृत्यु कुनू अन्य बीमारी केर कारण सं भेल अछि।

कोरोना वायरस कें ल’ पहिले सं केंद्र सरकार आ पश्चिम बंगाल सरकार मध्य तनातनी केर स्थिति बनल अछि। राज्य केर ममता बनर्जी सरकार पर केंद्र सरकार दिस सं भेजल गेल केंद्रीय मेडिकल टीम कें सहयोग नै करबाक आरोप लागल अछि। बाद मे ममता सरकार राज्य मे भेजल गेल रैपिड टेस्टिंग किट कें ल’ सवाल उठायल गेल आ ओकरा वापस क’ देल गेल।

CM ममता बनर्जी द्वारा BJP पर निशाना

मुख्यमंत्री ममता बनर्जी बीजेपी पर आरोप लगबैत कहलनि, ‘किछु लोक अफवाह फैलाबक कोशिश क’ रहल छल जे मरीजक लेल बिस्तर नै छल। ई सच नै अछि. अकेला कोलकाता मे 790 बेड अछि। हमरा सब पास कुल 14 लैब अछि. बीजेपी राजनीति क’ रहल अछि। परन्तु ई राजनीति करबाक समय नै अछि। अहाँक स्वच्छ भारत केर नेता कतए अछि? बाहर आऊ आ  फर्जी खबर फैलेबाक बजाय सड़क कें साफ करू।’