Monday, October 26, 2020
मुख्यपृष्ठ बिहार कोसी, सीमांचल आ पूर्वी बिहार मे बाढ़ि सं बिगड़ल हालात, 400 पंचायत...

कोसी, सीमांचल आ पूर्वी बिहार मे बाढ़ि सं बिगड़ल हालात, 400 पंचायत मे घुसल पानि

बिहारक विभिन्न हिस्सा मे एक सप्ताह लगातार बारिश भेलाक बाद कोसी, सीमांचल आ पूर्व बिहार मे बाढ़िक स्थिति बनि गेल अछि। हालात बिगड़ल अछि। बहुत जगह पर सड़क कें कटला सं आवागमन प्रभावित भ' गेल अछि।

बिहारक विभिन्न हिस्सा मे एक सप्ताह लगातार बारिश भेलाक बाद कोसी, सीमांचल आ पूर्व बिहार मे बाढ़िक स्थिति बनि गेल अछि। हालात बिगड़ल अछि। बहुत जगह पर सड़क कें कटला सं आवागमन प्रभावित भ’ गेल अछि।

अररिया जिलाक पांच दर्जन पंचायतक डेढ़ सौ गांम मे बाढ़िक पानि घुसल अछि। जीरोमाइलक पास पानिक दबाव बढ़लाक बाद बंद पुल पर मंगलदिन सं वाहनक परिचालन  शुरू होबाक संभावना अछि। ओतय फारबिसगंज-कुर्साकांटा मार्ग आ जोकीहाट मे सड़क कें कटला सं आवागमन ठप अछि। कुर्साकांटा कें कोतहपुर आ डहुआबाड़ी मे एप्रोच कटि गेल। पूर्णिया मे बायसी केर 17 पंचायत मे बाढ़िक पानि प्रवेश क’ गेल अछि।

 कटिहार मे नदि खतराक निशान सं ऊपर बहि रहल अछि। महानंदा कें उफान सं बारसोई, कदवा, डंडखोरा,  प्राणपुर आ अमदाबाद प्रखंडक पांच दर्जन पंचायतक करीब 5.50 लाख आबादी प्रभावित अछि। 350  सं अधिक गांम मे बाढ़ि जेना हालत अछि। कदवा प्रखंडक शिवगंज डायवर्सन कें समीप 3 फीट पानि बहबाक कारण सोनैली-पूर्णिया मे यातायात व्यवस्था ठप भ’ गेल। खगड़िया मे सभ’ नदिक जलस्तर मे वृद्धि भेला सं करीब दू दर्जन गांम पर बाढ़िक खतरा अछि।

सुपौल मे  तिलयुगा आ बलान नदीक जलस्तर बहुते बढ़ि गेल अछि। अहिसँ निर्मली आ मरौना प्रखंडक करीब एक दर्जन पंचायत प्रभावित अछि। लोक पलायन क’ रहल छथि। आधा दर्जन सड़क कटला सं लोकक आवागमन बाधित भ’ गेल। लगभग 50 हजारक आबादी बाढ़ि सं प्रभावित अछि। मरौना-निर्मली मुख्य सड़क गनौरा कें पास डूबि गेल। ओतय भागलपुर कें नवगछिया केर कलवलिया नदी फेर सं उफना लागल। बहुत गांम मे पानि घुसि गेल अछि। अनुमंडल कार्यालय झील मे परिवर्तित भ’ गेल अछि।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु

Most Popular

PM Modi Rally: ‘बिहार में का बा’ पर पीएम मोदी देलनि जवाब, जानू की कहलथि

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, 'बिहार में का बा...' बहुत चर्चा भ' रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त' ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल।

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।

बिहार चुनाव : प्रधानमंत्री कें सभा मे आतंकी-नक्सली कें खतराक ल’ अलर्ट जारी

बिहार विधानसभा चुनाव कें ल' 23 अक्टूबर कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार मे तीनटा चुनावी सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान ओ बिहार मे लगभग सवा सात घंटा रहता।