Vi बनल भारत कें सबसा तेज़ मोबाइल नेटवर्क, Airtel नंबर-2, तेसर पर Jio

भारतीय लीडिंग टेलीकॉम VI (Vodafone Idea) भारतक सबसा तेज़ नेटवर्क बनि क' उभरल अछि. 2020 कें तेसर तिमाही कें आँकड़े जारी कयल गेल अछि.

0
133
Jio_airtel_Vodafone-Idea

भारतीय लीडिंग टेलीकॉम VI (Vodafone Idea) भारतक सबसा तेज़ नेटवर्क बनि क’ उभरल अछि. 2020 कें तेसर तिमाही कें आँकड़े जारी कयल गेल अछि.

नेटवर्क अनालिस्ट आ स्पीड टेस्ट फ़र्म Ookla कें अनुसर VI कें ऐवरेज डाउनलोडिंग स्पीड 13.47Mbps रहल, जखन ऐवरेड अपलोड स्पीड 6.19 Mbps रहल.

VI(Vodafone Idea) कें बाद फ़ास्ट नेटवर्क कें मामला मे दोसर नंबर पर Airtel अछि. अहि कंपनी कें ऐवरेज डाउनलोड स्पीड 13.58Mbps रहल अछि, जखन एकर ऐवरेज अपलोड 4.15Mbps रहल अछि.

फास्टेस्ट नेटवर्क कें मामला मे तेसर नंबर पर रिलायंस जियो अछि. रिलायंस जियो कें ऐवरेज डाउनलोड स्पीड 9.71Mbps रहल, जखन थर्ड क्वॉर्टर मे ऐवरेज अपलोड स्पीड 3.41Mbps रहल अछि.

मोबाइल डाउनलोड स्पीडक बात करी त’ ई शहर कें हिसाब सं अलग अलग अछि. उदाहरण कें तौर पर तेसर तिमाही मे ऐवरेज डाउनलोड स्पीड रहल, जखन दोसर नंबर पर मुंबई कें नंबर रहल अछि. दिल्ली 13.04Mbps मोबाइल डाउनलोड स्पीड कें मामले मे छठा नंबर पर अछि.

Jio उपलब्धता मे मारलक बाज़ी..

भारत मे 4G उपलब्धताक मामले मे रिलायंस जियो 99.7 प्रतिशत 4G उपलब्धता संगहि नंबर- 1 पर अछि, जखन एयरटेल 98.7% संगहि दोसर नंबर पर अछि. तेसर नंबर पर VI अछि जकर 4G उपलब्धता 91.1% अछि.

मोबाइल डेटा स्पीड मे पिछड़ल भारत..

Ookla हाल मे मोबाइल डेटा स्पीडक लिस्ट जारी केने छल. अहि लिस्ट मे भारत 131वा नंबर पर अछि. अहि लिस्ट मे टोटल 138 देश अछि. पिछला किछू महीना मे भारत दू सं तीन पायदान नीचा खिसकल अछि. डेाट स्पीड कें मामला मे भारतक पड़ोसी मुल्क जेना पाकिस्तान, नेपाल आ श्रीलंका भारत सं ऊपर अछि.

 

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here