जे टायर कील या पेंच लगला पर सेहो पंचर नहि होइत अछि, ओकर मरम्मत सेकेंड मे स्वतः भ जाइत अछि।

0
288

पंचर रेजिस्टेंट टायर : ड्राइवरके रोज टायर पंचरके समस्या सँ निपटय पड़ैत अछि, मुदा आब अहाँ सभके एहि समस्या सँ छुटकारा भेटय वाला अछि. जेके टायर चारि पहिया गाड़ी लेल पंचर रेजिस्टेंस यानी नॉन पंचर टायरके एगो रेंज पेश कयलक अछि। गाड़ी लेली ई पंचर गार्ड टायर विशेष रूप सँ सेल्फ हीलिंग इलास्टोमर इनर कोट तकनीक स॑ डिजाइन कयल गेल छै । कंपनीके दावा छै कि ई कोटिंग सँ पंचर भेलय पर टायर अपने आप ठीक भ’ जायत छै आरो जतय सँ हवा निकलैत छै, ओहि छेदके अपने सँ भरि दैत छै।

कांटी घोपेलाके बादो चिन्ताके कोनो बात नहि छै!

जेके टायर घोषणा कयलक अछि की इ नवका तकनीकके मदति सँ टायर के ट्रेड एरियामे कील अथवा कोनो दोसर वस्तु सँ होमय वला बहुत पंचरके तुरंत ठीक भ’ जायत । 6 मिमी मोटाई तक के कील के पंचर, ई टायर स्वतः सही भ जायत अछि | कंपनी इहो दावा करैत छै कि भारतक सभ कच्ची आओर पक्का सड़कमे इ नवका तकनीक सँ बनल टायरके परीक्षण कय लेल गेल छै आओर अहि टायरके बेहतरीन आओर मजगूत प्रदर्शन के अनुसार तैयार कयल गेल छै ।

ड्राइवर कए पैघ राहत भेटत

जेके टायर के अध्यक्ष एवं प्रबंध निदेशक रधुपति सिंघानिया कहलनि जे, जेके टायर हमेशा सं नवीन तकनीकी आनयमे अग्रणी रहल अछि, 2020 मे स्मार्ट टायर तकनीक शुरू करबाक बाद पंचर गार्ड टायर तकनीक शुरू कएल गेल अछि, .ई तकनीक वाहन मालिकक कें उच्च स्तर कें सुरक्षा आ आराम प्रदान करय छै.ई नव तकनीक ऑटो एक्सपो 2020 मे प्रदर्शित अवधारणा कें हिस्सा छै।