बिहार कें युवा खालि सीमा पर नै, टेक्नोलॉजी कें क्षेत्र मे सेहो चीन क’ कड़ा टक्कर द’ रहल अछि। देश मे चैल रहल चाइनीज ऐप्स कें बहिष्कारक अभियान आ केंद्र सरकार द्वारा 59 चायनीज ऐप्स क’ बैन केलाक बाद ‘मेड इन इंडिया’ ऐप्स बड़ तेजी सं डिमांड मे आयल अछि। अहि क्रम मे दू बिहारी युवागण कें बनाओल ‘मैगटैप’ नामक वेब ब्राउज़र गूगल प्ले स्टोर पर खूब डाउनलोड कयल जा रहल अछि। अहि ऐप मे यूसी ब्राउज़र कें संग एहन बहुत चाइनीज ऐप्स कें काज अकेले करबाक क्षमता अछि। गूगल प्ले स्टोर पर लॉन्चिंग कें किछू महीना मे एकरा 10 लाख सं ज्यादा बेर डाउनलोड कयल जा चूकाल अछि आ फिलहाल एकर रेटिंग 4.9 अछि।

प्ले स्टोर पर एजुकेशन कैटेगरी मे ई ऐप दुनिया भरि मे पहिल नंबर पर अछि। हाल ही मे एकर वर्जन 2 सेहो लांच कयल गेल अछि। वर्जन 2 कें लांच होबय आ फेर चायनीज ऐप्स पर बैनक बाद ‘मैगटैप’ क’ 2.5-3 लाख कें करीब डाउनलोड कयल गेल अछि।

ऐप सं जुड़ल सत्यपाल चंद्रा कहैत छथ जे की ‘मैगटैप’ पूरा तरहे सं ‘मेड इन इंडिया’ त’ अछि, संगे मे ई अपन तरहक दुनिया मे पहिल प्रयोग अछि। ‘मैगटैप’ एकटा ‘विजुअल ब्राउज़र’ कें संग-संग डॉक्यूमेंट रीडर, ट्रांसलेशन आ ई-लर्निंग केर सुविधा देबय वला अनोखा ऐप अछि। अहि ऐप क’ ख़ास तौर पर देश कें हिंदीभाषी स्टूडेंट्स क’ ध्यान मे राखि क’ बनाओल गेल अछि। ओ कहैत छथ जे इंटरनेट पर अधिकतर निक जानकारि इंग्लिश मे अछि। एना मे ओकरा पढ़ैत वक़्त ई ऐप कुनू शब्द, वाक्य आ पूर्ण पैराग्राफ क’ सेहो हिंदी सहित देश केर 12 भाषा मे अनुवाद क’ सकेत अछि। संगे कोनो दूसर ऐप जेना- व्हाट्सऐप, फेसबुक, मैसेंजर आदि मे सेहो कोनो शब्द पर टैप क’ ओकर अर्थ जानल जा सकेत अछि। एतबे नै, अहि ऐप पर बच्चा सं ल’ बैंक, रेलवे आ यूपीएससी लेवल तक कें कम्पटीशन एग्जाम केर तैयारी करय लायक स्टडी मटेरियल टेक्स्ट आ वीडियो फॉर्मेट मे बिलकुल मुफ्त मे उपलब्ध अछि।