Lockdown in Bihar

अनलॉक 2: बिहार मे सेहो स्कूल-कॉलेज 31 जुलाई तक बंद, कंटेनमेंट जोन मे बेसि सख्त होयत नियम

केंद्र सरकारक तरफ सं अनलॉक 2 क’ ल’ गाइडलाइन जारी क’ देल गेल अछि , जाहि अनुसार स्कूल-कॉलेज समेत सिनेमाहॉल, जिम 31 जुलाई तक बंद रहत। बिहार सरकार शुरू सं केंद्र सरकार कें द्वारा जारी गाइडलाइन क’ राज्य मे लागू करैत आबि रहल अछि, अहिलेल आब मानल जा रहल अछि जे अनलॉक 2 कें सेहो सूबे मे कड़ाइ सं पालन कयल जायत।

नीतीश सरकार केर फैसला- संक्रमण वला क्षेत्र मे लॉकडाउन जारी रहत

कोरोनावायरस कें बढ़यत संक्रमण कें देखैत बिहार सरकार ई फैसला लेने अछि जे की संक्रमण वला क्षेत्र मे लॉकडाउन जारी रहत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जदयू कें वर्चुअल सम्मेलन कें दौरान एकर ऐलान केलनि।

Bihar Unlock 1: बिहार मे आइ सं चला लागल यात्री बस, वाहन केर भाड़ा बढ़ओला पर होयत कार्रवाई

लॉकडाउन कें कारण बिहार मे दू महीना सं बंद बस केर परिचालन सोमवार सं शुरू भ’ गेल अछि। केंद्र सरकार कें अनलॉक-1 कें दिशा-निर्देशक बाद क्राइसिस मैंनेजमेंट ग्रुप केर बैठक मे रैबदिन एकर निर्णय लेल गेल।

बिहार मे 15 जून तक लागू भेल लॉकडाउन 5 केर प्रावधान, आउ जनैत छी केना की रहत व्यवस्था- Lockdown 5.0

केंद्रीय गृह मंत्रालय द्वारा लॉकडाउन 5.0 कें नव गाइडलाइन जारी को देल गेल अछि। एकर प्रावधान देश मे एक जून सं लागू भ’ रहल अछि, बिहार मे अलगा 15 जून तक कोनो राहत मिलइत नै देखा रहल अछि। राज्‍य मे लॉकडाउन 5.0 ( Lockdown 5.0) कें तहत 15 जून तक लाकडाउन 4.0 केर प्रावधान लागू रहत।