Tag: Death
भाजपा केर आरोप, राताराती शव कें ममता सरकार करैए निपत्ता
बंगाल मे कोरोना वायरस कें ल' जमि क' राजनीति भ' रहल अछि. भारतीय जनता पार्टी (बीजेपी) केर राज्य इकाइ ट्विटर पर एकटा वीडियो पोस्ट करैत आरोप लगओलक जे राज्य मे कोरोना सं मरएबला एक आओर व्यक्तिक शव कें रातिक अन्हार मे चोरा-नुका क' अंतिम संस्कार करबाक प्रयास कएल जा रहल अछि आ ई किन्नहु उचित बात नै अछि.
कोरोना मामला: अमेरिका तमसाएल, रोकलक WHO कें फंडिंग
चीन सं शुरू भेल कोरोना वायरस अमेरिका मे कहर बरपा रहल अछि. ई घातक बीमारीक कारण सं अमेरिका मे 25000 सं अधिक लोकक मृत्यु भ' चुकल अछि.