CoronaVirus

भाजपा केर आरोप, राताराती शव कें ममता सरकार करैए निपत्ता

बंगाल मे कोरोना वायरस कें ल’ जमि क’ राजनीति भ’ रहल अछि. भारतीय जनता पार्टी (बीजेपी) केर राज्य इकाइ ट्विटर पर एकटा वीडियो पोस्ट करैत आरोप लगओलक जे राज्य मे कोरोना सं मरएबला एक आओर व्यक्तिक शव कें रातिक अन्हार मे चोरा-नुका क’ अंतिम संस्कार करबाक प्रयास कएल जा रहल अछि आ ई किन्नहु उचित बात नै अछि.

सरकार अमरनाथ यात्रा कें ल’ कन्फ्यूज, जारी होएत नव सूचना

अमरनाथ श्राइन बोर्ड कोरोनावायरस चलते एहि साल 23 जून सं शुरू होमएबला यात्रा रद्द करबाक फैसला लेलक मुदा कनिए कालक प्रशासन फैसला पलटि देलक अछि. जम्मू कश्मीर सूचना निदेशालय प्रेस विज्ञप्ति कें वापस ल’ लेलक.

की AC सँ बढ़ैत अछि कोरोनाक खतरा? बुझु AIIMS डायरेक्टर केर सलाह।

देशभरि मे संपूर्ण लॉकडाउन केलाक बादो कोरोना वायरस अपन व्यापक असर देखा रहल अछि देश मे कोरोना संक्रमितक संख्या लगातार बढ़ल जा रहल अछि। कोरोनाक संकटक बीच लोक कें मन मे बहुत तरहक सवाल उठि रहल अछि।