amit shah

बिहार मे नीतीश कुमार रहता मुख्यमंत्री, गृह मंत्री अमित शाह लगओलनि मुहर

गृह मंत्री अमित शाह वर्चुअल रैली मे ई घोषणा केलनि जे नीतीश कुमार कें नेतृत्व मे बिहारक चुनाव लड़ल जायत. ओ कहलनि जे आबय वला दिन मे बिहार मे चुनाव अछि. हमर मानना अछि जे नीतीश कुमार जी कें नेतृत्व मे एनडीए दू तिहाई बहुमत कें संग सरकार बनाओत, परन्तु ई राजनीति केर समय नै अछि.

अमित शाह केर वर्चुअल रैली सं पहिने बिहार मे चढ़ल सियासी पारा, पोस्टर वॉर कें भेल शुरूआत

बिहार विधानसभा चुनाव सं पहिने भाजपाक पहिल वर्चुअल रैली आइ आयोजित होबय जा रहल अछि. भाजपा शाम 4 बजे केन्द्रीय गृहमंत्री अमित शाह कें भाषण केर एक लाख सं अधिक लोक सब कें सुनौता. ई रैली पर बिहार मे पोस्टर वॉर केर सेहो शुरूआत भ’ गेल अछि, जाहि सं सूबे मे सियासी पारा सेहो चढ़ैत नजर आबि रहल अछि.

अमित शाह बिहार मे करता डिजिटल रैली, तेजस्वी कहलनि- चुनावक चिंता, गरीबक नै – Election in Bihar

केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाह अहि साल कें अंत मे प्रस्तावित बिहार विधानसभा चुनावक शंखनाद 9 जून कें बिहार मे डिजिटल रैलीक संग करता. विपक्षी दल आरजेडी शाह केर रैली पर सवाल उठोलनि अछि.