बॉलीवुड अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत केर मृत्युक मिस्ट्री सुलझाबय मे जुटल पटना पुलिस एसआईटीक तफ्तीशक प्रक्रिया आगू बढ़ल। अहि कड़ी मे पुलिस टीम दिल बेचारा फिल्म निर्देशक मुकेश छाबड़ा सं देर राइत बयान लेलक। मुकेश छाबड़ा बहुत देर धरी एसआईटी सं बात केलैथ।

डॉक्टर पोस्टमार्टम  रिपोर्ट देबय सं केलक इनकार
सुशांत कें आरएन कूपर म्युनिसिपल हॉस्पीटल मे पोस्टमार्टम करय वला डॉक्टर कें पास सेहो एसआईटी पहुंचल। जखन डॉक्टर पोस्टमार्टम रिपोर्ट सं संबंधित जानकारी देबय सं इनकार क’ देलक। डॉक्टर कें कहनाइ छल जे पहिने ओ मुंबई पुलिस कें सुशांतक पोस्टमार्टम रिपोर्ट द’ देने अछि। एसआईटी चाहता त’ मुंबई पुलिस सं पोस्टमार्टम रिपोर्ट ल’ सकेत अछि।

मुंबई पुलिस कें इशारा पर भ’ रहल अछि
पटना पुलिसक एसआईटी  कें अखन धरि पोस्टमार्टम रिपोर्ट नै मिलल अछि। एहन मानल जा रहल अछि जे मुंबई पुलिसक इशारा पर ई साब किछू भ’ रहल अछि। मुंबई पुलिस नै चाहैत अछि जे ई साब कागजात पटना पुलिस कें हाथ लगय आ जांच आगू बढ़य।

पटना पुलिस मुंबई डीसीपी कें लिखलाक पत्र
सूत्रक अनुसार पटना पुलिस मुंबई डीसीपी कें जांच मे सहयोग करबाक लेल एकटा पत्र लिखने अछि। पत्र मे बहुत बिंदु पर जांच करबाक आ ओहिमे जानकारी उपलब्ध करेबाक चर्चा अछि। पोस्टमार्टम आ विसरा रिपोर्टक मांग सेहो पटना पुलिस केने अछि।