फिल्म अभिनेता सुशांत सिंह राजपूतक पिता केके सिंह, हुनक बहिन आ बहनोई बुधदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं भेट करय लेल पहुँचला। मुलाकात कें बाद बाहर निकलला पर हुनक पिता कहलनि जे ई एक औपचारिक मुलाकात छल। बुझल जायत अछि जे सुशांतक मृत्यु मामला सं जुड़ल पहलु पर बात करबाक लेल परिवार मुख्यमंत्री सं भेट करय गेल छल। किछू दिन पहिने सुशांत केस मे जाहि तरहे सं ड्रग्स आ ओहिसँ जुड़ल बहुत गिरोह कें नाम सामने आबि रहल अछि, ओहिसँ सुशांतक परिवार खुश नहि छथि। अहि मामला मे ई बताओल जा रहल अछि जे सुशांत सेहो मादक पदार्थ लैथ छलाह।
अहिसँ पहिने सेहो सुशांतक पिता मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं भेट केने छलाह। सुशांतक पिता केके सिंह कें आग्रह पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मामलाक जांच सीबीआई सं करबाक सिफारिश केने छलाह। मृत्यु मामलाक जांच त’ सीबीआई क’ रह अछि, मुदा जाहि तरहे सं अहि केस मे धन शोधन आ मादक पदार्थ कें मामला सामने आयल अछि, ओकरा बाद जांच मे अन्य एजेंसि ईडी आ एनसीबी सेहो जुड़ि गेल अछि।
मादक पदार्थ कें रैकेट केर कड़ी बॉलीवुडक बहुत सितारा सं जुड़ रहल अछि। रिया चक्रवर्ती कें बाद आब दीपिका पादुकोण, सारा अली खान, श्रद्धा कपूर जेहन हस्तिक नाम जुड़ैत देखा रहल अछि। रिया चक्रवर्ती त’ अखन एनसीबी केर हिरासत मे छथि। दीपिका आ श्रद्धा कपूर सं एनसीबी पूछताछ क’ चुकल अछि। पूछताछ मे बहुत हस्ति अहि बातक जिक्र केलनि जे सुशांत सिंह राजपूत सेहो मादक पदार्थ लैत छलाह। संभवतः अहि बात सं सुशांतक परिवार आहत अछि आ अहि मुद्दा पर सीएम नीतीश कुमार सं भेट केलथि।