सुशांत सिंह राजपूत केसके जांच करबाक लेल गेल बिहार पुलिसक अधिकारिक लेल सुराग इकट्ठा करय मे बेसी समस्या भ’ रहल अछि । एकर कारण बताओल जा रहल अछि जे मुंबई पुलिस ओहि तरहे सहयोग नहि क’ रहल अछि। अहि बीच खबर आयल अछि जे बॉलीवुडक अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत केर मृत्यु मामलाक जांच करय लेल मुंबई पहुंचल पटना कें सिटी एसपी विनय तिवारी कें क्वारंटाइन क’ देल गेल अछि।

बताओल जा रहल अछि जे पटना सिटी एसपी विनय तिवारी कें मुंबई मे आईपीएस मेस मे जगह नै देल गेल, जाकर बाद ओ साब निजी तौर पर अपन रहबाक व्यवस्था केलनि। एकरा बाद बीएमसी कें अफसर विनय तिवारी सं हुनकर रहबाक स्थान पुछलाक बाद हुनका क्वारंटाइन क’ देल गेल। बताओल जा रहल अछि जे एसपी विनय तिवारी कें संग जानि-बुझि क’ एहन कयल गेल।

बिहारक डीजीपी गुप्तेश्वर पांडे रैबदिन देर राइत ट्विट क’ एकर जानकारी देलनि। ओ ट्विट केलनि जे आईपीएस अधिकारी विनय तिवारी बिहार पुलिस टीमक नेतृत्व करबाक लेल आधिकारिक ड्यूटी पर आइ पटना सं मुंबई पहुंचला मुदा बीएमसी अधिकारि जबरन हुनका क्वारंटाइन क’ देलक। अनुरोध कें बादो हुनका आईपीएस मेस मे आवास प्रदान नै कयल गेल छल जकरा बाद ओ गोरेगांव (मुंबई) कें एक गेस्ट हाउस मे ठहरल छला।