बॉलीवुड एक्टर सुशांत सिंह राजपूत सुसाइड केसके जांच करबाक लेल मुंबई पहुंचल पटनाक एसपी सिटी विनय तिवारी कें क्वारंटाइन कें ल’ पटनाक रेंज आईजी संजय सिंह कें पत्रके जवाब बीएमसीक अफसर देलक। बीएमसी कें सहायक कमिश्नर पी वेलरासू आईजी कें पत्रके माध्यम सं कहलक जे सिटी एसपी कें महाराष्ट्र सरकारक नियमके पालन करय परत।

ओ लिखलनि जे  बिहार मे कोरोना संक्रमण फैलल अछि। एना मे ज’ एसपी मे सेहो कोरोनाक लक्षण भेल त’ हुनक माध्यम सं दोसरो अफसर कें सेहो ई बीमारी भ’ सकेत अछि। तयो ओ अलग-अलग एप कें माध्यम सं महाराष्ट्र सरकार कें अफसर कें संगे मीटिंग करी। अहि पत्र मिलबाक बाद आब पटना पुलिस सेहो  आर-पार कें मूड मे अछि। रेंज आईजी संजय सिंह कहलनि जे ओ अपन स्तर सं एक बेर आर ओतय कें अफसर सं बात करता।

तीन कें बनेलक नियम, दूके केलक क्वारंटाइन
मुंबई मे गेल एसपी सिटी कें क्वारंटाइनक मामला मे जखन महाराष्ट्र सरकार केर किरकिरा होबय लागल त’ आनन-फानन मे तीन अगस्त कें एकटा नबका नियम बनाओल गेल। नियम कें मुताबिक महाराष्ट्र मे बाहर सं आबय वला कोनो अफसर कें क्वारंटाइन होबय परत। प्रशन ई अछि जे विनय तिवारी अहि नियम कें बनला सं पहिने महाराष्ट्र गेल छला। एकरा बादो हुनका क्वारंटाइन किये कयल गेल। आरोप ई लागि रहल अछि जे जाइन-बूझि क’ खालि अहि प्रकरण मे अफसर कें जाच मे रोक लगबै लेल एहन कयल गेल ।

पत्र पर एक नजैर
म्युनिसिपल कमिश्नर एमजीसीएम कें संबोधित उपरोक्त पत्रक संबंध मे जाहिमे बिहार कैडर कें आईपीएस विनय कुमार तिवारी कें होम क्वारंटाइन मे छूट देबाक आग्रह कयल गेल छल। बिहार मे कोरोना वायरस कें संक्रमणक मद्देनजर रखैत ई सुझाव देल जा रहल अछि जे ऑफिसर अपन कार्य महाराष्ट्र सरकारक अधिकारि कें संगे जूम, गूगल मीट, जीओ मीट, माइक्रोसॉफ्ट टीम आ कोनो अन्य डिजिटल प्लेटफॉर्म सं करी। एना केला सं अधिकारी सं दूसर कें संक्रमित होबाक आशंका नै रहत। संगहि अधिकारी सेहो महाराष्ट्र सरकार कें अफसर कें संग संपर्क मे नै ओता आ हुनकर सेहो संक्रमित होबाक आशंका नै रहत । अधिकारी कें महाराष्ट्र सरकार द्वारा जारी नियम कें अनुपालन केनाइ आवश्यक अछि।