बिहार विधानसभा चुनाव 2020 शांतिपूर्ण भेलाक बादो अखन धरी 6 जवान कें गेल जान

विधानसभा चुनाव करेबाक लेल बिहार आयल अर्द्धसैनिक बल आ दोसर राज्य सं आयल पुलिस कें अखन धरी आधा दर्जन अधिकारि आ जवान कें मृत्यु भ' चुकल अछि।

0
802

विधानसभा चुनाव करेबाक लेल बिहार आयल अर्द्धसैनिक बल आ दोसर राज्य सं आयल पुलिस कें अखन धरी आधा दर्जन अधिकारि आ जवान कें मृत्यु भ’ चुकल अछि। ई कोनो हिंसा मे नहि घटना आ बीमारी कें कारण सं भेल अछि। मरय वला जवान कें शव पोस्टमार्टम कें बाद हुनक घर भेज देल गेल अछि।

हिनक गेल जान
चुनाव करेबाक लेल आयल अर्द्धसैनिक बल आ मणिपुर पुलिस कें 6 जवान कें जान गेल अछि। अहिमे सीआईएसएफ कें हेड कांस्टेबल ई कुजूर कें बीमारीक कारण सं जान चलि गेल। ई घटना 30 अक्टूबर कें अछि जखन दरभंगा सं समस्तीपुर जायत समय ई घटना भेल छल। ओतय जमुई कें झाझा मे प्रतिनियुक्ति कें समय सीआरपीएफ कें एएसआई एचके रविकर कें निधन दिलक दौरा आ ब्रेन हैमरेज कें वजह सं भ’ गेल। बीमारी कें कारण मणिपुर पुलिस कें एकटा जवान कें सेहो मृत्यु सीवान मे भ’ गेल छल। ओतय मोतिाहरी मे भेल सड़क हादसा मे एसएसबी कें जवान शैलेश कुमार सिंह कें मृत्यु भ’ गेल।

कोनो उत्तर दिय

अपन कमेंट जरूर लिखू !
कृपया अपन नाम एतय दर्ज करू