सऊदी अरबके सरकार भारतके सूचित कयलक अछि अहि वर्ष भारतीय नागरिक हज यात्रा पर जा सकताह, मुदा कोविड सँ सम्बन्धित नियम सभकेँ कारण ओ हज करय वला लोकके सीमित कय 79,237 कय देलक। अल्पसंख्यक काज मंत्रालय के अधिकारी लोकिन शुक्रदिन इ जानकारी देलनि।
HIGHLIGHTS
अहि वर्ष हज यात्रा कय सकताह भारतीय नागरिक
कोविडके कारण हज कोटाके सीमित राखल गेल
65 साल सँ कम वयसके लोक मात्र यात्रा कय सकताह
नवका दिल्ली। सऊदी अरबके सरकार भारतके सूचित कयलक अछि अहि वर्ष भारतीय नागरिक हज यात्रा कय सकताह, मुदा कोविडसँ सम्बन्धित नियम सभकेँ कारण सँ ओ हज कोटा के छोट क’ 79,237 कय देलक। अल्पसंख्यक काजक मंत्रालयके अधिकारी लोकिन शुक्रदिन इ जनतब देलनि । ओ बतलओनि सऊदी अरबके सरकार भारतीय पक्षके जनतब करओलनि अहि वर्ष 65 वर्ष सँ छोट उमरिके लोक मात्र हज यात्रा कय सकताह।
अधिकारी लोकिनके मोताबिक, हज 2022 लेल भारतक हज कोटा 79,237 हज यात्री लोकिनक लेल संख्या तय कयल गेल अछि। अहिमे सँ 56,601 हज यात्री भारतीय हज समितिके माध्यम सँ हज पर जा सकताह तथा 22,636 हज यात्री निजी टूर ऑपरेटरके माध्यम सँ जेताह। अल्पसंख्यक काजक मंत्री मुख्तार अब्बास नकवी कहलनि हजके लेल सभटा तैयारी भ’ गेल अछि आओर हज ड्यूटी पर काज करय वला लोकके साक्षात्कारके काज सेहो पूरा भ’ गेल अछि।
अधिकारी लोकिन इहो बतओलनि सऊदी अरब सरकारके दिस सँ तय नियम सभकेँ मोताबिक, हज यात्री सभकेँ लेल आरटी-पीसीआर जाँच करेनाइ आओर वैक्सीनके दुनु डोज लेनाइ जरूरी अछि। अहि बेर दिल्ली, मुंबई, कोलकाता, हैदराबाद, लखनऊ, अहमदाबाद, बेंगलुरू, श्रीनगर, गुआहाटी आओर कोच्चि के प्रस्थान स्थल (इम्बारकेशन प्वाइंट) तय कयल गेल अछि। पहिले 21 प्रस्थान स्थल होइत छल। कोरोना महामारीके धिआनमे राखैत सऊदी अरबके दिस सँ मात्र स्थानीय लोक सभकेँ सेहो कम संख्यामे हज करबाक अनुमति देने छल तै पछिला वर्ष भारतक लोक हज यात्रा नहि कय सकल छलाह।
दु वर्षक बाद भारतीय हज यात्री हज पर अहि वर्ष जा सकताह। साल 2020मे सही कोरोना महामारीके कारण सऊदी सरकार दोसर देश सभ सँ आग्रह कयने छल जे ओ अपन देश सँ हज यात्रीके नहि पठाबथि , जाहि कारण सँ भारतक हज यात्री नहि गेल छलाह। सामान्य दिन सभमे भारतीय हज समिति आओर निजी टूर ऑपरेटरन सभकेँ द्वारा प्रत्येक वर्ष लगभग 2 लाख भारतीय हज यात्रा पर जायत छल।