मिथिलाक महत्वपूर्ण पाबैनक नाओ थिक सतुआइन आओर जुड़िशीतल!
सतुआइन जेना नाओ सँ स्पस्ट अछि जे इ पाबैनमे सतुआक महत्वपूर्ण स्थान अछि।अहि दिन लोक सतुआ खाइत छथि, बड़ी-भात सेहो बनैत छै, सतुआ, घइल आमक टिकुला आदि उसरगल जायत अछि। सतुआइन दिन पनिशिल्ला सेहो तुलसीचौड़ा, महादेवके ऊपर बनाओल जायत अछि। दही पौरल जायत अछि जे प्रात भ’ बसिया भात संग खायल जायत अछि।

प्रात भ ‘ कय जुड़िशीतल मनाओल जायत अछि। अहि दिन बसिया भात खायल जायत अछि। कादो पानि संग होली सेहो खेलल जायत अछि। अपना सँ छोटके संग गाछ सभके सेहो जुड़यल जायत अछि । घरक मोख, चूल्हा आदिके सेहो सेमार, बसिया बड़ी-भात आदि सँ जुड़ायल जायत अछि।