बिहार विधानसभा चुनाव कें रिजल्ट एलाक बाद एकर नतीजा पर चर्चा रुकल नहि अछि। अहि बीच समाजवादी पार्टी प्रमुख अखिलेश यादव बिहार चुनाव पर अपन बात राखैत महागठबंधनक समर्थन मे अपन बात कहलनि। ओ कहलनि जे बिहारक जनताक संगे भाजपा धोखा केलक।
अखिलेश कहलनि जे महागठबंधनक जनता समर्थन देलनि। पूरा समर्थन जनता कें हुनक संगहि छल। सीट सेहो लगभग जीत गेल छल। एते बड़का धोखा लोकतंत्र मे ककरो संगहि भेल जतय बड़का धोखा भाजपा ओतय कें लोक संगे केने अछि आ महागठबंधनक बेईमानी सं हरेने अछि।
महागठबंधन को जनता ने समर्थन दिया। पूरा समर्थन जनता का उनके साथ था। सीटें भी लगभग जीत गए थे। इतना बड़ा धोखा लोकतंत्र में किसी के साथ नहीं हुआ होगा जितना बड़ा धोखा भाजपा ने वहां के लोगों के साथ किया है और महागठबंधन को बेईमानी से हराया है: बिहार चुनाव पर सपा प्रमुख अखिलेश यादव pic.twitter.com/PLog13Fe5F
— ANI_HindiNews (@AHindinews) November 14, 2020
अहिसँ पहिने सपा अध्यक्ष अखिलेश यादव बिहार चुनाव मे भाजपा पर बेईमानी कें आरोप लगबैत कहलनि जे लोकतंत्र मे भरोसा करय वला नतीजा सं दुखी अछि। बिहार मे एनडीए कें खालि 13 सं 14 हजार वोट ज्यादा भेटल अछि मुदा हुनका पता नहि जे की तिकड़म लोगओलक आ सब उलटा भ’ गेल।