बॉलीवुड कें दिवंगत अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत केर रहस्यमयी मौत सं जुड़ल ड्रग (नशीली दवा) मामला मे नारकोटिक्स कंट्रोल ब्यूरो (एनसीबी) अभिनेत्री रिया चक्रवर्ती कें मंगलदिन गिरफ्तार क’ लेलक। एनसीबी रिया सं आइ तेसर दिन पूछताछ केलक। ओतय अहि मामलाक ल’ बिहारक डीजीपी गुप्तेश्वर पांडेय कहलनि जे सबूत भेटलाक बाद एनसीबी रिया चक्रवर्ती कें गिरफ्तार केने अछि।
डीजीपी आगू कहलनि जे सुशांत सिंह राजपूत कें इंसाफ भेटबाक दिशा मे ई पहिल कदम अछि। एकरा अलावा डीजीपी सुशांत केसक जांच क’ रहल सीबीआई पर सेहो भरोसा जतोलनि। डीजीपी कहलनि जे रिया चक्रवर्ती कें चेहरा पूर्ण तरहे बेनकाब भ’ चुकल अछि। रिया आ ड्रग पेडलर्स कें बीच रिश्ताक सच्चाई सामने एलाक बाद एनसीबी हुनका गिरफ्तार केने अछि। डीजीपी कहलनि जे सुशांत केस कें ल’ तीन एजेंसि मामलाक जांच क’ रहल अछि। एनसीबी कें जखन सबूत भेटल गेल त’ ओ रिया चक्रवर्ती कें गिरफ्तार केलक। ईडी आ सीबीआई अखनो सेहो जांच क’ रहल अछि, निष्कर्ष आयत। हमरा लगैत अछि जे सुशांत कें अखन न्याय भेटत।
Narcotics Control Bureau (NCB) must have found evidence against her: Bihar DGP Gupteshwar Pandey https://t.co/FuS5dA3boY
— ANI (@ANI) September 8, 2020
रिया कें गिरफ्तारी कें बाद एनसीबीक उप निदेशक के. पी. एस. मल्होत्रा बतओलनि, ‘रिया कें गिरफ्तार क ‘ लेल गेल अछि आ हुनक परिवार कें अहि बारे मे सूचना देबाक प्रक्रिया पूरा क’ लेल गेल अछि। गिरफ्तार करबाक शीघ्र बाद मेडिकल जांच आ कोविड-19 केर जांच कें लेल एकटा सरकारी अस्पताल ल’ जायल गेल ।