1- मेष राशि 
अधुरा काज पूरा करवाक लेल आइके दिन अहाँक सफल रहत. ओतय, पहिले कयल गेल प्रयासके नीक कहल जायत. मुदा, छोट तनाव अहाँके घेर सकैत अछि. आइके दिन अहाँके पैघ सफलता भेटत.

2- वृष राशि 
आर्थिक दृष्टिकोण सँ आइके दिन अहाँके लेल नव प्रस्ताव लय कय आयत. आइके दिन अहाँके इच्छित काज पूरा होयत. धन सँ जुड़ल कोनो बड़का समस्याके निदान होयत.

3- मिथुन राशि 
मनक इच्छा सभके पूर्ति होयत आओर मनमे संतुष्टि बनल रहत. परिवारके संग नीक तालमेल बनल रहत. आइके दिन अहाँके छोट-छोट इच्छा पूरा होयत.

4- कर्क राशि 
वाहन आओर अग्निके प्रयोगमे सावधानी राखी. भ’ सकैत अछि की अहाँके चोट अथवा दुर्घटनाके सामना करय पड़ि सकैत अछि. अहाँमे सँ कतेकोके मानसिक रूप सँ कमजोर लागि सकैत अछि.

5- सिंह राशि 
जीवनके नव पड़ावके शुरुआत करवाक लेल दिन निक अछि. आबय वला समय अहाँके लेल चुनौतीपूर्ण रहत मुदा अहाँ परेशानी सभ सँ बाहर निकैल जायब.

6- कन्या राशि
संस्थान सँ जुड़ल महत्वपूर्ण निर्णय लेब. पूजा-पाठके प्रति अहाँ रुझान बढ़त. यैह समय अहाँके अपना सँ नमहर सँ सहयोग भेटत. अहाँमे निर्णय लेवाक अद्भुत क्षमता रहत.

7- तुला राशि 
मानसिक तनाव आओर छोट-छिन परेशानी सभ अहाँके घेर सकैत अछि. कोनो बातके लय कय अहाँ थोड़ेक परेशान भ’ सकैत छी. बहुत जल्दबाज़ीमे कोनो तरहक निर्णय नहि लिय आओर वाणी पर संयम राखु.

8- वृश्चिक राशि 
कोनो संबंधले लय कय मनमे हताशा अथवा विश्वासघात एहेन भाव आयत. कोनो बात अहाँके मनके कष्ट दय सकैत अछि. मुदा, साँझके समय अहाँके लेल नीक समाद आबि सकैत अछि.

9- धनु राशि 
शिक्षा अथवा धन सँ जुड़ल कोनो महत्वपूर्ण निर्णय लेब. आइके दिन अहाँ अपन घरमे बैसि आगूके शिक्षा सँ जुड़ल प्लानिंग करब. मनमे खुशहाली आओर संतुष्टि रहत.

10- मकर राशि 
आइके दिन अहाँके मित्रता प्रगाढ़ रहत आओर संगमे घरमे ख़ुशीके माहौल बनल रहत. बहुत दिन सँ कोनो शुभ समाचारके प्रतीक्षा कय रहल छी तँ आइके दिन भेट सकैत अछि.

11- कुम्भ राशि 
भविष्यक नव प्लानिंग कय पायब. विदेश सँ जुड़ल काज सफल रहत. विदेशी यात्राके प्रति अहाँके रुझान बढ़त. आइके दिन स्वास्थ्यके विशेष ध्यान राखी.

12- मीन राशि 
आइ कोनो प्रस्ताव अहाँके दिनके नीक बनाओत. कोनो एहन समाद भेट सकैत अछि, जाहिसँ अहाँके मनमे प्रसन्नता बनल रहत. आइके दिन मोनक इच्छा सभ पूरा होयत.

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु