भारतीय रेलवे 12 मई सँ पैसेंजर ट्रेनक सेवा शुरू करवाक योजना बना रहल अछि। शुरूमे 15 जोड़ी ट्रेन चलायल जा सकैछ। बादमे एकरा आओर बढ़ेबाक तैयारी छै। इ सभ ट्रेन स्पेशल ट्रेन होयत जकरा नई दिल्ली सँ देशके अलग-अलग 15 इलाकामे चलायल जायत।

बेंगलुरु, मुंबई, रांची आओर पटनाके लेल स्पेशल ट्रेन चलेबाक तैयारी अछि। रेल मंत्री पीयूष गोयल ट्वीट कय अहि बातके जानकारी देलनि अछि। अहि जानकारी योजना के तहत दिल्ली सँ 15 शहरके लेल ट्रेन चलत। दिल्ली सँ बेंगलुरुके लेल सेहो 12 मई सँ ट्रेन चलेबाक तैयारी छै।

पीयूष गोयल ट्वीटमे लिखलनि , रेलवे बारी-बारी सँ पैसेंजर ट्रेन चलेबाक बारेमे सोचि रहल अछि। एकरा 12 मई सँ शुरू कयल जा सकैछ। शुरूमे 15 जोड़ी स्पेशल ट्रेन चलायल जायत । ट्रेन नई दिल्ली सँ खुजि कय देशके अलग-अलग स्टेशन तक जायत। स्पेशल ट्रेनक बुकिंग 11 मई सोमदिन सँ 4 बजे सााँझ सँ शुरू होयत।