बुद्ध पूर्णिमा पर लुम्बिनी जा रहल पीएम मोदी, नेपालक प्रधानमन्त्रीसँ सेहो भेंट करताह

0
244

प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी सोमदिन अर्थात बुद्ध पूर्णिमा नेपालके लुम्बिनी भ्रमण करताह । लुम्बिनी गौतम बुद्धक जन्मस्थान थिक।

एकर बाद पीएम मोदी अपन नेपाली समकक्ष शेरबहादुर देउबा संग सेहो द्विपक्षीय सहयोग बढेबाक लेल बातचीत करताह।

समाचार एजेन्सी पीटीआईके अनुसार देउवाके आमंत्रण पर पीएम मोदी नेपाल आ रहल छथि ।

मोदी 2014 मे पीएम बनलाक बाद पांचम बेर नेपाल दौरा क रहल छथि।

पीटीआईके अनुसार प्रधानमन्त्री मोदी स्थानीय समय अनुसार भिन्सर १० बजे नेपाल पहुँचताह आ साँझ ५ बजे भारत घुरताह ।

एहि दौरा पर पीएम मोदी माया देवी मंदिर क दर्शन करताह। एकर अलावा ओ बुद्ध जयंती के अवसर पर लुम्बिनी डेवलपमेंट ट्रस्ट के तरफ सं आयोजित समारोह के सेहो संबोधित करताह.

नेपालक दक्षिणमे तराई क्षेत्रमे अवस्थित लुम्बिनी बौद्धसभक पवित्र स्थलसभमे सँ एक मानल जाइत अछि, कारण इएह ठाम भगवान बुद्धक जन्म भेल छल ।