पंचायत राज लेल स्वामीत्व योजना (Swamitva Scheme) संग पोर्टल लॉन्च कएल गेल अछि। आधिकारिक बयानक अनुसार, पोर्टल भारतीय पंचायत प्रणाली मे पारदर्शिता अनबाक हेतु शुरू कएल गेल अछि। फिलहाल एहि योजना कें संपत्ति केर विवाद समाप्त करबा लेल डिज़ाइन कएल गेल अछि.

आधिकारिक वेबसाइट अनुसार – “देशभरि मे पंचायती राज संस्थान (PRI) मे ई-गवर्नेंस कें मजबूत करबाक छै, पंचायती राज मंत्रालय (MoPR) एक उपयोगकर्ता-अनुकूल वेब-आधारित पोर्टल eGramSwaraj लॉन्च केलक अछि। eGramSwaraj केर उद्देश्य विकेंद्रीकृत योजना, प्रगति रिपोर्टिंग और कार्य-आधारित लेखांकन मे बेहतर पारदर्शिता आनब अछि।”

पोर्टल आ ऐप पंचायत राज मंत्रालय केर एकटा पहल केर एक हिस्सा अछि। एकर उद्देश्य ग्राम पंचायत कें अपन ग्राम पंचायत विकास योजना तैयार करबा आ कार्यान्वित करबा लेल एकल इंटरफ़ेस प्रदान करब अछि।

eGramSwaraj

ई पहल देश मे डिजिटल इंडिया कार्यक्रम केर एकटा हिस्सा अछि आ एकर उद्देश्य गांव मे पंचायत कें ई-गवर्नेंस केर बढ़ावा देनाइ अछि। अहि तरहें, गामक  काज आ शासन कें दुरुस्त कएल जा सकत अथवा डिजिटल रूप सं गाम मे साक्षरता आनल जा सकत।

पीएम मोदी कहलनि, “कोरोना वायरस हमरा सब कें सिखओलक अछि जे हमरा सब कें आत्मनिर्भर होबए पड़त, अन्यथा हम सब एहन समस्या सब सं निपटबा  मे सक्षम नहि होएब।” पीएम कहलनि, “सीमित संसाधन संग कोरोना सामने नै झुकबाक अछि बल्कि दृढ़ संकल्प संग सामना करबाक अछि।”