PM Modi Rally: ‘बिहार में का बा’ पर पीएम मोदी देलनि जवाब, जानू की कहलथि

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, 'बिहार में का बा...' बहुत चर्चा भ' रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त' ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल।

0
84

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, ‘बिहार में का बा…’ बहुत चर्चा भ’ रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त’ ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल। पिछला दिन मे युवा लोक गायिका मैथिली ठाकुर ‘बिहार मे ई बा’ नाम सं एकटा वीडियो जारी केने छलि। शुक्रदिन रैली मे पीएम मोदी कें भाषणक एकटा अंश सेहो ‘बिहार में का बा…’ कें विषय छल । मुदा पीएम मोदी कोनो गाना कें लाइन आ नहि त’ कोनो नाम लेलनि।

अपन भाषणक शुरुआत भोजपुरी सं करैत पीएम मोदी बिहारक स्‍वाभिमानक धरती बतओलनि। ओ कहलनि जे, ‘बिहार के स्‍वाभिमानी और मेहनती भाई बहन आप सब के प्रणाम। अन्‍नदाता, मेहनतकश, किसान भाई-बहन लोग के इ धान के कटोरा कहल जाये गौरवशाली धरती के हम नमन करत बानी। मां मुंडेश्‍वरी ताराचंडी माता के इ पावन भूमि पर रऊरा सबकर अभिनंदन करत बानी।’ एकरा बाद पीएम मोदी भोजपुरी मे एक-एकटा बिहारक बहुत खूबि गिनेलैथ। पीएम कहलनि-‘भारत कें सम्मान बा बिहार, भारत के स्वाभिमान बा बिहार, भारत के संस्कार बा बिहार, संपूर्ण क्रांति कें शंखनाद बा बिहार, आत्मनिर्भर भारत कें परचम बा बिहार।’

पीएम कें अहि अंदाजक रैली मे तालि बजा क’ जनता स्‍वागत केलक। रैली मे मोदी-मोदी कें नारा लागल। पीएम मोदी बिहार मे नीतीश राजक खुलि क’ प्रशंसा केलनि। ओ कहलनि जे आब एकरा बीमारू राज्‍य नहि कहि सकैत अछि। नीतीश राज मे बिहार सं उजाला कें ओर जा रहल अछि। “

पीएम कहलनि जे बिहारक लोकक खासियत अछि जे ओ कखनो कन्फ्यूज़ नहि होयत अछि। बिहार मे फेर एक बार एनडीए सरकार बनय जा रहल अछि। पीएम मोदी कहलनि जे किछू लोक भ्रम फैलाबय मे लागल छथि। अचानक नव शक्ति कें बढ़बैत अछि मुदा एकर कोनो असर नहि पड़त। बिहारक मतदाता भ्रम फैलाबय वला कें अपने नाकाम क’ रहल छथि।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here