बिहार चुनाव: 65 साल सं बेसी आयु वला कें नहि भेटत बैलट पोस्टल सं मतदानक अधिकार

बिहार विधानसभा चुनाव मे 65 साल सं बेसी उम्रक वोटर कें पोस्टल बैलेट केर सुविधा नहि भेटत। बुधदिन संसद मे केंद्र सरकारक ओर सं ई जानकारी लोकसभा मे एकटा सवालक जवाब मे साझा कयल गेल ।

0
396

बिहार विधानसभा चुनाव मे 65 साल सं बेसी उम्रक वोटर कें पोस्टल बैलेट केर सुविधा नहि भेटत। बुधदिन संसद मे केंद्र सरकारक ओर सं ई जानकारी लोकसभा मे एकटा सवालक जवाब मे साझा कयल गेल । एकटा सवालक लिखित जवाब मे केंद्रीय कानून मंत्री रविशकंर प्रसाद जानकारी देलनि। अहिमे कहल गेल जे फैसला कोरोना काल कें कारण आयल परेशानि आ सुरक्षा मानकों मानव संसाधन आ संक्रमणक चलते लेल गेल अछि। प्रसाद कहलनि जे 65 साल सं बेसी आयु वलाक लेल डाक सं वोट करबाक फैसला सुरक्षा प्रोटोकाल कें चलते लेल गेल अछि।

एकरा लेल चुनाव नियमक आचरण संहिता- द कंडक्ट ऑफ इलेक्शन रूल्स-1961 कें संशोधित कयल गेल छल। जनप्रतिनिधित्व अधिनियम 1951 केर धारा 169  कें तहत अहि साल 19 जून कें एकर अधिसूचना जारी कयल गेल छल। अहिमे राज्य सरकारक संग मशविरेक बाध्यता नहि अछि। एकरा बादे चुनाव आयोग अधिनियमक धारा 60 सी कें तहत अधिसूचना जारी नहि करबाक फैसला लेलक। बिहार मे 29 नवंबर सं पहिने विधानसभा चुनाव होयत। विधानसभा केर 243 सीटक अलावा एकटा लोकसभा आ 63 सीट पर उपचुनाव सेहो होयत। एकरा लेल चुनाव आयोग दिशा-निर्देशों मे बहुत बदलाव केने अछि।

अहिमे प्रचार सं ल’ रैलिय धरी कें लेल नबका नियमक प्रावधान कयल गेल अछि। एकरा अलावा मतदान कें लेल सेहो पाबंदि संगहि नबका नियम बनाओल गेल अछि। मतदान केंद्र पर थर्मल स्क्रीनिंग कयल जायत। कोरोना पीड़ितक आखिरी घंटा मे मतदान केंद्र पर जा क’ मतदान करबाक अनुमित देल जायत। सब मतदान केंद्र पर रोज सैनिटाइजेशन कें काम कयल जायत। मतदान केंद्र पर पैरा मेडिकलक टीम मुस्तैद रहत। एकटा मतदान केंद्र पर 1,500 कें बजाए एक हजार मतदाता होयत।

अहाँ अपन विचार लिखु

एतय अहाँ अपन विचार दियौ!
दया कय एतय अहाँ अपन नाम लिखू