पटना जिला मे कोरोना संक्रमितक आंकड़ा पांच हजार कें पार पहुंच गेल अछि। शुक्रदिन एकटा डॉक्टर, 31 स्वास्थ्यकर्मी, मसौढ़ी नगर परिषद कें कार्यपालक पदाधिकारी, सिटी मजिस्ट्रेट समेत रिकॉर्ड 553 संक्रमित मिलल। अखन जिला मे संक्रमितक कुल संख्या 5281 भ’ गेल अछि। ओतय, जिलाक आठ लोक केर कोरोना सं मृत्यु सेहो भ’ गेल अछि।

मृतक मे पीएमसीएच कें रेडियोथेरेपी विभागक पूर्व अध्यक्ष डॉ. मिथिलेश कुमार सिंह सेहो शामिल छैथ। ओतय, जिला प्रशासन सं जारी आंकड़ा कें अनुसार अखन धरि जिला मे 40 लोक केर जान जा चुकल अछि। एकर अलावा 3174 लोग स्वस्थ भ’ गेल, जखन 2067 एक्टिव केस अछि।

शुक्रदिन मिलल संक्रमित मे बड़का संख्या मे डॉक्टर, स्वास्थ्य सेवा सं जुड़ल कर्मी आ हुनक परिजन अछि। पीएमसीएच कें हड्डी रोग विभागक एक डॉक्टर, टाटा वार्ड मे कार्यरत 10 नर्सिंग स्टाफ आ 10 सहायक कर्मी संक्रमित पायल गेल अछि। ओतय, पीएमसीएच मे भेल जांच मे पटनाक 93 अन्य मरीज आ पीएमसीएच कर्मि सब कें परिजन संक्रमित पाओल गेल ।