पप्पू यादव सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि- खतरा मे दलितक सम्मान

बिहार मे भ्रष्टाचार आ अपराधक राज कायम अछि। भारत सरकारक रिपोर्ट बतओलनि जे देश मे सबसा बेसि अपराध आ रेप केर घटना बिहार मे होयत अछि।

0
299

बिहार मे भ्रष्टाचार आ अपराधक राज कायम अछि। भारत सरकारक रिपोर्ट बतओलनि जे देश मे सबसा बेसि अपराध आ रेप केर घटना बिहार मे होयत अछि। ई बात जन अधिकार पार्टी कें राष्ट्रीय अध्यक्ष पप्पू यादव प्रखंडक नवादा गाम मे जिला पार्षद मुक्तेश्वर प्रसाद सिंह मुकेश कें आवास पर प्रेस वार्ता मे कहलनि।


ओ कहलनि जे अहि सरकार मे दलितक सम्मान खतरा मे अछि। दलित नेता उदय नारायण चौधरी, दशरथ मांझी, श्याम रजक होयत आ रमई राम सभक महागठबंधन वा एनडीए मे अपमान भेल अछि। ओ कहलनि जे कांग्रेस विधानसभा चुनाव मे बड़का भाई केर भूमिका निभोता त’ ओ संगे लड़य लेल तैयार छथि। कहलनि जे यदि लोजपा नेता चिराग पासवान बिहार मे एनडीए कें मुख्यमंत्री होयत अछि त’ हुनका कोनो आपत्ति नै। ओ स्वयं कें बिहार मे सीएम कें चेहरा बतओलनि। कहलनि जे पूरा बिहार पप्पू यादव कें मुख्यमंत्री कें रूप मे देखै चाहैत अछि। कहलनि जे हुनका मुख्यमंत्री बनैत पूरा बिहार मे फैलल अपराध राज कें चाइर महीना मे समाप्त क’ अमन चैन कें राज कायम कयल जायत। ओ जिला मे पार्टी नेता मुक्तेश्वर मुकेश संगहि पूरी मजबूती सं काम करबाक बात कहलनि।