Main Story

Editor’s Picks

Trending Story

Surya Grahan 2020 : ज्‍योतिषाचार्य कें दावा- सूर्य ग्रहण कें बाद मिलत कोरोना सं राहत

साल 2020 कें पहिल सूर्यग्रहण आइ किछू घंटा बाद लागि रहल अछि। पटना केर बात करि त’ ई सुबह 10.37 बजे सं शुरू भ’ अपराह्न 02.04 बजे तक चलत। मुजफ्फरपुर मे ग्रहण कें काल सुबह 10.38 बजे सं अपराह्न 02.10 बज तक तथा भागलपुर मे सुबह 10.42 बजे अपराह्न 02.14 बजे तक रहत। ग्रहण शुरू होबय कें 12 घंटा पाहिले सूतक काल शुरू भेल।

सुशांत सिंह राजपूत केर मृत्यु सं आहत युवा पटना मे बॉलीवुड कें पुतला जरोलनि

बॉलीवुड अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत केर मृत्यु सं पूरा देशभर मे आक्रोश देखल जा रहल अछि। बेसीतर हुनकर गृह नगर पटना मे लोक हुनक मृत्यु केर सीबीआई जांचक मांग क’ रहला। सुशांत बिहार कें पटना सं छला।

क्रेडिट कार्ड लेबय सं पहिने अहाँके जनबाक चाहि ई 5 बात, नै त’ होयत नुकसान

नकदी कें जगह पर क्रेडिट कार्ड बहुत उपयोगी साबित होयत अछि। एकर मदद सं यात्रा कें दौरान कैश संगे ल’ चलबाक आवश्यकता नै होयत अछि। बीतल किछू वर्ष मे क्रेडिट कार्ड कें चलन तेजी सं बढ़ाल अछि. क्रेडिट कार्ड कें महत्वा क’ देखैत, एकर यूजर केर संख्या तेजी सं बढ़ी रहल अछि।

Corona Virus Bihar: बिहार मे कोरोना क’ ल’ बड़का खबर, आइ सं बंद होयत सभ’ क्‍वारंटाइन सेंटर

बिहार मे बाहर सं आबय वला कोरोना संक्रमण कें संदिग्‍ध कें रखाय लेल बनाओल गेल क्‍वारंटाइन सेंटर सोमदिन सं बंद क’ देल जायत। एकरा लेल आपदा प्रबंधन विभाग 31 मई क’ आदेश जारी केने छल। अखन राज्‍य कें 534 प्रखंड मे 15 हजार सं अधिक क्वारंटाइन सेंटर 29 अप्रैल सं चैल रहल अछि।

बिहार मे विकास कार्य कें लेल सब पंचायत कें औसतन 41 लाख रुपया मिलत

बिहार केर त्रिस्तरीय पंचायती राज संस्था कें वित्तीय वर्ष 2020-21 मे 15वा वित्त आयोग कें अनुदान कें तहत 5018 करोड़ रुपया मिलबाक अछि। अहिमे ग्राम पंचायत क’ 70 प्रतिशत हिस्सा अर्थात करीब 3500 करोड़ मिलत। राज्य मे ग्राम पंचायतक संख्या 8386 अछि।

बॉलीवुड एक्टर सुशांत सिंह राजपूत केलनि सुसाइड, मुंबई मे अपन घर मे लगओलनि फांसी

बॉलीवुड सं एकटा बहुत चौंकाबय वला खबर सामने आयल अछि. मशहूर एक्टर सुशांत सिंह राजपूत मुंबई मे अपन घर मे फांसी लगा क’ जान द’ देलनि अछि. ओ 34 साल कें छलथ. सुशांत बॉलीवुडक बेहद लोकप्रिय एक्टर छलथ .

नीतीश सरकार केर फैसला- संक्रमण वला क्षेत्र मे लॉकडाउन जारी रहत

कोरोनावायरस कें बढ़यत संक्रमण कें देखैत बिहार सरकार ई फैसला लेने अछि जे की संक्रमण वला क्षेत्र मे लॉकडाउन जारी रहत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जदयू कें वर्चुअल सम्मेलन कें दौरान एकर ऐलान केलनि।

शंघाई अंतरराष्ट्रीय प्रदर्शनी मे लागल मिथिला पेंटिंग्स, चीन केलनि प्रशंसा -Madhubani Painting

चीन केर प्रतिष्ठित 10वा अंतरराष्ट्रीय पारंपरिक कला प्रदर्शनी क’ आयोजन शंघाका ई कला संग्रहालय मे 11 जून क’ कयल गेल छल. अहिमे चीन आ भारत कें संगे जापान, दक्षिण कोरिया, तुर्की, ईरान आ अमेरिका केर कलाकृति क’ प्रदर्शित कयल गेल.

बिहार मे भेल चमत्कार, फर्श पर देखल गेला भगवान शंकर, उमड़ल भक्तक भीड़ त’ पहुंचल पुलिस

नगर थाना क्षेत्र अंतर्गत सोहनीपट्टी मे मंगलदिन साझ मे अफरा-तफरी मइच गेल, जखन मोहल्लाक एकटा घर मे भगवान शंकर केर आकृति उभारबाक बात सामने आयल। कहल जा रहल अछि जे घर कें फर्श पर अचानक भगवान शंकर कें आकृति उभरल।

Digital India: लंदन केर बाजार मे आयल बिहारक लीची मे रूचि, रविशंकर ट्वीट क’ जतओलनि खुशी

डिजिटल इंडिया अभियानक तहत कॉमन सर्विस सेंटर (सीएससी) कें माध्यम सं किसान आब अपन फसल विदेश मे सेहो बेच सकेत छथ। किसान सुनील कुमार लंदन कें खरीदार क’ बिहार केर प्रसिद्ध मुजफ्फरपुरक लीची बेचलनि। ई-मार्ट नामक डिजिटल क्रय-विक्रय प्लेटफॉर्म सं ऑर्डर लेल गेल।

प्रवासी मजदूर क’ मनरेगाक तहत मिलत काम-काज संगहि डॉक्टर भेला बर्खास्त, नीतीश कैबिनेट केर फैसला

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कें मंत्रिमंडलक आइ बैठक भेल, जाहिमे बिहार लौटल प्रवासी मजदूर क’ आब मनरेगा कें तहत रोजगार देबाक प्रस्ताव क’ मंजूरी मिल गेल अछि. सूत्रक मुताबिक आब बिहार मे मनरेगा कें तहत जल संचय कें कार्य सेहो कयल जायत.

दुनियाक पहिल कोरोना मुक्त देश बनल न्यूजीलैंड, एकर खुशी मे पीएम केलनि डांस

पूरा दुनिया कोरोना वायरस कें महामारी सं जूझ रहल अछि. अमेरिका जेहन महाशक्ति सेहो बेकाबू होयत जा रहल हालात क’ संभाल नै पाबि रहल अछि. दुनियाभर कें वैज्ञानिक कोरोना कें संक्रमण क’ रोबाक तरकीब आ एकर दवा खोजय मे जुटल अछि. अहि बीच न्यूजीलैंड सं एकटा शुभ समाचार आयल अछि.

Unlock 1 Bihar Update: बिहार मे अहाँ लेले की अछि लॉक-अनलॉक, आउ जनैत छी नव गाइडलाइंस

पूरा देश मे आइ यानि 8 जून सं Unlock.1.0 केर पहिल चरण पूर्ण रूप सं लागू भ’ गेल अछि। गृह मंत्रालय द्वारा जारी गाइडलाइंस कें तहत बिहार मे सेहो धार्मिक प्रतिष्ठान, होटल-रेस्टोरेंट्स, शॉपिंग मॉल्स खोलबाक अनुमति द’ देल गेल अछि।