शिक्षा कें ल’ सीएम नीतीश केलनि बड़का फैसला, पहिल कक्षा सं पांचम तक किताब होयत ऑनलाइन

0
392

बिहार मे पढ़ाइ कें ल’ सीएम नीतीश कुमार बरका फैसला लेलनि अछि। ओ कक्षा पहिल सं पांचम तक किताब कें ऑनलाइन करबा लेल कहलनि। अहि कक्षा सभक पढ़ाइ दूरदर्शन सं होयत, जाहि सं कोनो छात्र कें प्रॉब्‍लम नै होयत। ओ कोरोना संकट कें ल’ सेहो अधिकारी सब कें बहुत निर्देश देलनि तथा राशन कार्ड बनाबय मे तेजी करबा लेल कहलनि।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे विभिन्न कक्षाक पाठ्यक्रम सं जुरल किताब कें डिजिटाइज करल जाय तथा ओकरा वेबसाइट पर उपलब्ध करा देल जाय। अहि सं विद्यार्थी सब कें पढ़ाई मे लाभ मिलत। कक्षा छह सं 12 कें तरहे पहिल सं पांचवीं कें लेल सेहो ई कंटेंट विकसित केल जायत। कक्षावार तैयार केल गेल ई-कंटेंट कें टेलीविजनक माध्यम सं देखाओल जाय। डीडी बिहार कें माध्यम सं कक्षावार देल जा रहल ऑनलाइन शिक्षाक टाइम स्लॉट बढ़बा लेल डीडी बिहार सं समन्वय केल जायत। कोविड-19 सं उत्पन्न स्थिति आ बचाव कार्य केर समीक्षाक क्रम मे मुख्यमंत्री कहलनि।

मुख्यमंत्री कहलनि जे सभ’ प्रखंड मे आधार केंद्र केर सेफ डिस्टेंसिंगक नियम के पालन करैत खोलल जाय। आधार केंद्रक स्थायी व्यवस्था केल जाय। मुख्यमंत्री कें ई जानकारी देल गेल जे वर्तमान मे 27 जिला कें डीआरसीसी पर आधार केंद्रक सुविधा उपलब्ध अछि। मुख्यमंत्री निर्देश देलनि जे शेष जिला कें डीआरसीसी मे सेहो ऑनलाइन आधार केंद्रक सुविधा उपलब्ध कराओत।

ओ कहलनि जे वर्तमान मे दस वर्ष सं पैैंसठ आयुवर्गक लोक जिनकर पास आधार कार्ड नै अछि त’ आधार कार्ड शीघ्र बनओल जाय। क्वरांटाइन सेंटर पर रह रहेल प्रवासी श्रमिकक अगर आधार कार्ड नै बनल अछि त’ सेफ डिस्टेंसिंग कें माध्यम सं हुनकर आधार कार्ड बनाओल जा सकत। राशन कार्ड कें चर्चा करैत मुख्यमंत्री कहलनि जे हर हाल मे योग्य परिवारक कें राशन कार्ड शीघ्र बनाओल जाय। सभ’ राशन कार्ड केर आधार सं लिंक केनाइ सुनिश्चित करैत। अहि लोकक वन नेशन वन कार्ड योजना केर लाभ मिल सकत।