दुनियाक पहिल कोरोना मुक्त देश बनल न्यूजीलैंड, एकर खुशी मे पीएम केलनि डांस

पूरा दुनिया कोरोना वायरस कें महामारी सं जूझ रहल अछि. अमेरिका जेहन महाशक्ति सेहो बेकाबू होयत जा रहल हालात क’ संभाल नै पाबि रहल अछि. दुनियाभर कें वैज्ञानिक कोरोना कें संक्रमण क’ रोबाक तरकीब आ एकर दवा खोजय मे जुटल अछि. अहि बीच न्यूजीलैंड सं एकटा शुभ समाचार आयल अछि.

पूरा दुनिया कोरोना वायरस कें महामारी सं जूझ रहल अछि. अमेरिका जेहन महाशक्ति सेहो बेकाबू होयत जा रहल हालात क’ संभाल नै पाबि रहल अछि. दुनियाभर कें वैज्ञानिक कोरोना कें संक्रमण क’ रोबाक तरकीब आ एकर दवा खोजय मे जुटल अछि. अहि बीच न्यूजीलैंड सं एकटा शुभ समाचार आयल अछि.

न्यूजीलैंड कोरोना मुक्त देश बैन गेल अछि. न्यूजीलैंड कें एकटा अस्पताल मे भर्ती कोरोनाक अंतिम मरीज क’ सेहो उपचार कें बाद स्वस्थ होबय पर घर भेज देल गेल. पिछला 17 दिन सं देश मे कोरोनाक कोनो नया केस सामने नै आयल अछि. न्यूजीलैंड केर प्रधानमंत्री जेसिंडा अर्डर्न सोमदिन ई घोषणा केलनि. ओ  कहलनि जे आब देश मे मरीजक संख्या शून्य भ’ जेल अछि.

समाचार एजेंसी रॉयटर्स कें मुताबिक न्यूजीलैंड केर पीएम सामाजिक आ आर्थिक पाबंदि केर हटबाक घोषणा करैत कहलनि जे आब देश वापस सामान्य स्थिति मे आबि जायत. हम तैयार छी .ओ कहलनि जे अखन हमार काज खत्म नै भेल अछि. हम सब कोरोना वायरस कें संक्रमण केर पूर्ण रूप सं रोइक लेने अछि, परन्तु अहि दिशा मे अपन प्रयास जारी रहत.

न्यूजीलैंड केर प्रधानमंत्री इहो बतओलनि जे देश मे कोरोनाक केस शून्य होबाक खबर सं ओ एतै खुश भेलनि जे डांस सेहो केलनि. कोरोना वायरस सं संक्रमित मरीजक तादाद दुनियाभर मे 71 लाख कें करीब पहुंच चुकल अछि. दुनियाभर मे अहि बीमारी कें कारण 4.04 लाख सं अधिक लोक केर जान जा चुकल अछि. ओतय, न्यूजीलैंड मे कोरोना सं संक्रमणक 1154 मामला सामने आयल.

50 लाख कें आबादी वला न्यूजीलैंड मे कोरोनाक कारण 22 लोक केर मृत्यु भेल. दक्षिण प्रशांत कें देश न्यूजीलैंड मे कोरोना वायरसक संक्रमण खतरनाक स्तर पर नै फैलबाक पीछा सरकार केर ओर सं उठाओल गेल कड़ा कदम क’ अहम मानल जा रहल अछि. प्रधानमंत्री जेसिंका शुरुआत मे देश केर सीमा क’ सील क’ देश मे कड़ा नियम लागू भेल छल.