कोरोना केर खिलाफ लड़ाइ मे आस्ते-आस्ते बढ़त नजरि अबैत छल। देशक 23 राज्यल एवं केंद्र शासित प्रदेश केर 54 जिला में बीतल 14 दिन मे कोरोना केर संक्रमणक कोनो मामला सामने नहि आयल अछि। केंद्रीय स्वाेस्य्ैक मंत्रालय (Union Health Ministry) केर मुताबिक, राहत केर बात इहो अछि जे आब संक्रमण सं ठीक होबयबला मरीजक संख्या मे सेहो तेजी सं इजाफा भ’ रहल अछि। अखन तक लगभग 14.19 फीसद यानी 2,231 मरीज संक्रमण सं ठीक भ’ गेल छथि।

24 घंटा मे 1334 नव मामला


परेशानीक बात ई अछि जे बीतल 24 घंटा मे कोरोना केर 1334 नव मामला सामने आयल अछि जखन कि 27 गोटेक मृत्यु भेल अछि। एहि सं साफ जाहिर अछि जे संक्रमण केर मामला मे तेजी सं इजाफा भ’ रहल अछि। केंद्रीय स्वाेस्य्क् मंत्रालय केर संयुक्त सचिव लव अग्रवाल बतओलनि जे देश मे अखन धरि कुल 15,712 मामला दर्ज कएल गेल अछि, जखन कि 507 मौत भेल अछि। बीतल 28 दिन मे पुदुचेरी केर माहे और कर्नाटक केर कोडागु मे कोनो नया केस सामने नहि आयल अछि।

हॉटस्पॉट स्था2नक लेल कोनो राहत नहि


अग्रवाल कहलनि जे देश मे केवल कोरोनाक इलाज कें लेल 755 अस्पताल और 1,389 हेल्थ सेंटर्स अछि। अहि तरह कुल देश मे 2,144 केंद्र अछि जतय कोरोना मरीजक इलाज कयल जा रहल अछि। ओ इहो कहलनि जे 20 अप्रैल कें बाद ओहि सब इलाका मे कोनो छूट नहि देल जायत जे हॉटस्पाौट केर तौर पर चिह्नित होयत। सिनेमा हॉल, शॉपिंग कॉम्लेलनि क्सप, मॉल्सा और धार्मिक स्थ ल सेहो तीन मई तक बंद रहत।

एखन धरि 3,86,791 टेस्टे भेल


आइसीएमआरक रमन आर गंगा खेडकर बतओलनि जे हम सब अखन धरि 3,86,791 टेस्टआ केने छी। अहि मे 29,287 जांच आईसीएमआरक नेटवर्क केर प्रयोगशाला मे जखन 7,886 निजी क्षेत्रक लैब्सआ मे कएल गेल। गृह मंत्रालय दिस सं पुण्यम सलिला श्रीवास्तेव बतओलनि कि राज्य सब सं कहल गेल अछि जे ओ कम्यूनिटी टेस्टिंग केर दौरान स्वास्थ्यकर्मी कें उचित सुरक्षा उपलब्ध कराबय।

मजदूर लेल कार्यस्थदल पर आवाजाही केर व्य वस्था हो


केंद्रीय गृह मंत्रालय दिस सं इहो स्पपष्टा कएल गेल जे ई-कॉमर्स द्वारा गैर जरूरी वस्तुर केर आपूर्ति पर लॉकडाउन अवधि यानी तीन मई तक रोक जारी रहत। इहो कहल गेल जे जाहि इलाका सब मे किछु गतिविधि केर इजाजत देल गेल अछि ओतय सामाजिक दूरी, मास्कर पहिरब आदि नियम केर पालन करब जरूरी अछि। ग्रामीण इलाका सब मे कतेको गतिविधिक इजाजति लेल जिलाधिकारी सब कें उद्योग समूह सभक संग मिलि मजदूर सब कें राज्य क भीतर कार्यस्थबल पर आवाजाही केर व्य वस्थाि करबाक चाही।