लॉकडाउन 31 मई तक जारी रहत। अहि दौरान घरेलू मेडिकल सर्विसेज आ घरेलू एयर एंबुलेंस सेवा कें छोड़ि सबटा घरेलू आ अंतरराष्ट्रीय उड़ान पर प्रतिबंध सेहो जारी रहत। पूरा देश मे मेट्रो रेल सेहो नै चलत। स्कूल, कॉलेज, एजुकेशनल/ट्रेनिंग/कोचिंग इंस्टीट्यूट सेहो बंद रहत। ऑनलाइन/डिस्टेंस लर्निंग जारी रहत आ एकर बढ़ावा देल जायत। होटल, रेस्टोरेंट और दोसर हॉस्पिटैलिटी सर्विसेज सेहो बंद रहत। तखनो रेस्टोरेंट फूड आइटम कें होम डिलीवरी कें लेल किचन ऑपरेट कएल जा सकत।

दर्शक कें बिना खुलत खेल परिसर, स्टेडियम

सबटा सिनेमा हॉल, शॉपिंग मॉल, जिम, स्विमिंग पूल, एंटरटेनमेंट पार्क, थिएटर, बार और ऑडिटोरियम, एसेंबली हॉल और अहि तरहक भीड़भाड़ बला स्थान बंद रहत। खेल परिसर आ स्टेडियम कें खोलबाक अनुमति होयत परन्तु ओतय दर्शक कें जेबाक अनुमति नहि होयत।

आयोजन सब पर प्रतिबंध जारी

सब तरहक सामाजिक, राजनीतिक, खेल, मनोरंजन, शैक्षिक, सांस्कृतिक आ धार्मिक कार्यक्रम आ जुलूसक अनुमति नै होयत। सब धार्मिक स्थल, पूजा स्थल जनता कें लेल बंद रहत। धार्मिक जलसा पर सख्त पाबंदी होयत।

बस, यात्री वाहन केर आवागमन पर ढील

बस आ यात्री वाहन एक राज्य सं दोसर राज्य मे जा सकैत छै परन्तु एकरा लेल दुनू राज्य केर सहमति लेल जायत। राज्य सरकार अपन राज्य कें भीतर बस आ यात्री वाहन केर संचालन लेल अनुमति द’ सकैत अछि। लोकक आवाजाही लेल स्टैंडर्ड ऑपरेटिंग प्रसीजर्स (एसओपी) केर पालन करय पड़त। सोशल डिस्टेंसिंग आ दोसर शर्त जारी रहत। कोरोनाक प्रकोप कें रोकबा लेल जारी दिशा-निर्देशक पूरा देश मे पालन सुनिश्चित करायल जायत।

कंटेनमेंट, बफर, रेड, ग्रीन आ ऑरेंज जोन


केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्रालय कें मानक केर मुताबिक राज्य सरकार रेड, ग्रीन और ऑरेंज जोन तय करत। रेड जोन आ ऑरेंज जोन कें भीतर जिलाक अधिकारी कंटेनमेंट जोन आ बफर जोन तय करत। कंटेनमेंट जोन मे केवल जरूरी गतिविधि केर अनुमति होयत। एहन इलाका मे लॉकडाउनक सख्ती सं पालन कएल जायत आ कोनो व्यक्ति कें ओतय सं ककरो एनाइ-गेनाइ कें अनुमति नै होयत। ओतय केवल मेडिकल इमरजेंसी आ जरूरी वस्तु तथा सेवा कें डिलिवरी केर अनुमति होयत। एहि इलाक मे घर-घर जा क’ संक्रमित लोकक पता लगाओल जायत।