74 वा स्वतंत्रता दिवस कें अवसर पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कें भाषण सुनबाक लेल देश-दुनिया भरिके लोक उत्सुक छलाह। लालकिलाक प्राचीर सं पीएम मोदी कें भाषण देशक युवा मे जोश भरबाक काज केलक, संगहि पड़ोसी देश कें एकटा चेतावनी सेहो देलैथ।
एकटा बात ई सेहो अछि जे जखनो प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कतौ सं भाषण दैत छथि आ ओ राष्ट्र कें नाम संदेश जारी करैत छथि त’ लोकके हुनका सुनबाक उत्सुकता रहैत अछि। साब कियो जाने चाहैत अछि जे पीएम की संदेश देबय चाहैत छथि। जखन ओ लोक कें संबोधित करैत सवा सौ करोड़ देशवासि, भाईयों और बहनों कहैत छथि त’ लोक ठिठक जायत अछि। ओ एकटक लगाके सब किछु ध्यान सं सुनाय चाहैत अछि।
ईहे कारण अछि पीएम मोदी केर अपन भाषण कें ल’ बेसि लोकप्रियता अछि। वो अपन भाषण कें लेल सेहो रिकॉर्ड बना चुकल छथि। साल 2014 के बाद सं अखन धरि ओ सबसा अधिक समय धरि भाषण देबाक रिकॉर्ड अपन नाम क’ चुकल छथि। जखन हुनका सं पहिने कोनो प्रधानमंत्री एते समय धरि लालकिलाक प्राचीर सं भाषण नै देने अछि।
साल भाषणक समय
2020 – 86 मिनट
2019 – 93 मिनट
2018 – 82 मिनट
2017 – 56 मिनट
2016 – 94 मिनट
2015 – 86 मिनट
2014 – 65 मिनट