लॉकडाउन मे किसान सभक मदति करत ई ऐप, घर बैसल बेचू फसल

देश मे कोरोना केर संकटके देखैत 3 मई तक लॉकडाउन लागू अछि। लॉकडाउन सँ किसान सभ बहुत बेसी प्रभावित भेल छथि। हालांकि हुनका सभ लेल एकटा नीक समाचार अछि। केन्द्र सरकार ‘किसान रथ’ नामक मोबाइल ऐप लॉन्च केलक अछि, जाहि सँ किसान सभहक समान मंडी तक पहुँचेबामे आसानी होयत।

ऐप केर माध्यम सं किसान आ व्यापारी फसल केर खरीद आ बिक्री क’ सकैत छथि. एहि ऐप सं किसान आ व्यापारी सभ कें माल ढोबएबला वाहन सभक बारे मे जानकारी भेटत. संगहि ट्रांसपोटर्स सेहो सामान ढुलाई लेल अपन गाड़ी केर रजिस्ट्रेशन करवा सकैत छथि.

हालहि मे केंद्रीय कृषि आ ग्रामीण विकास मंत्री नरेंद्र सिंह तोमर कहलनि जे किसान आ आर्थिक गतिविधि कें पटरी पर अनबाक लेल केंद्र सरकार पूरा कोशिश क’ रहल छथि. वर्तमान परिस्थिति कें देखैत सरकार केर प्राथमिकता किसान केर खेती कें बचाएब अछि. ओहि लेल जे जरूरी कदम अछि से उठाओल जा रहल अछि.

ध्यान देल जेबाक बात ई अछि जे लॉकडाउनक कारण सं देश मे आर्थिक गतिविधि पर ब्रेक लगाओल गेल अछि. गृह मंत्रालय कहलक अछि जे लॉकडाउनक दौरान गैर-जरूरी सामान सभक ऑनलाइन डिलीवरी नहि होएत. लॉकडाउन मे राशन, सब्जी आ मेडिकल केर दुकान खुजल अछि आ जरूरी सामान सभक होम डिलीवरी सेहो कएल जा रहल अछि, मुदा ई-कॉमर्स कंपनी लॉकडाउनक दौरान गैर-जरूरी सामान केर सप्लाई नै करत.