प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी देशवासी सब सं आग्रह केलनि अछि जे ओ अपन मोबाइल मे ‘आरोग्य सेतु’ (Aarogya Setu) एप कें डाउनलोड करथि. पीएम मोदी कहलनि जे COVID-19 केर खिलाफ लड़ाइ मे ई एक महत्वपूर्ण कदम अछि. 

पीएम मोदी ट्विटर पर लिखलनि, ‘तकनीक केर मदति सं ई हमरा सब कें अहम जानकारी उपलब्ध कराएत। एहि एप कें जतेक ज्यादा सं ज्यादा लोक इस्तेमाल करत, ई ओतबे प्रभावी बनत.’ प्रधानमंत्री एहि एप केर लिंक सेहो साझा केलनि अछि ताकि लोक एकरा डाउनलोड क’ सकत.

केंद्र सरकार 2 अप्रैल कें ई मोबाइल एप लॉन्च केने छल ,जाहि सं लोक सब कें कोरोना वायरस खतरा कें भांपबा मे मदद होएत। आसपास संक्रमण केर खतरा होबय सं ई एप केर माध्यम सं प्रशासन लग अलर्ट जायत। अहाँ अगर कोनो संक्रमित व्यक्तिक पास रहब त’ ई प्रशासन कें सूचना द’ देत।

ई एप एक एहन माध्यम अछि जाहि मे लोकक शारीरिक उपयोग नै अछि, ई पूर्ण कार्य तकनीक केर अछि, आजुक समय मे सब लग स्मार्टफोन अछि. ‘आरोग्य सेतु’ एप सब लग रहला सं अपन बचाव त’ हेबे करतै आ प्रशासनक काज मे सेहो उपयोगी छै।