सलमान खान-करण जौहर सहित 8 सेलिब्रिटीज कें मुजफ्फरपुर डिस्ट्रिक्ट कोर्ट मे पेश होबाक आदेश

बॉलीवुड अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत केर मृत्यु (Sushant Singh Rajpur Case) कें मामला मे मुजफ्फरपुर डिस्ट्रिक्ट कोर्ट (Muzaffarpur District Court) आदेश देने अछि। कोर्ट सलमान खान, करण जौहर सहित 8 हस्ति कें अदालत मे पेश होबय लेल कहने अछि।

0
674

बॉलीवुड अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत केर मृत्यु (Sushant Singh Rajpur Case) कें मामला मे मुजफ्फरपुर डिस्ट्रिक्ट कोर्ट (Muzaffarpur District Court) आदेश देने अछि। कोर्ट सलमान खान, करण जौहर सहित 8 हस्ति कें अदालत मे पेश होबय लेल कहने अछि। जिला अदालत कहलक जे सभ’ कें अपने आ नहि त’ अपन वकीलक माध्यम सं कोर्ट मे अपन पेशी सुनिश्चित करय परत। एकरा संगहि कोर्ट हिनकर उपस्थिति कें लेल तारीख सेहो तय केने अछि। एकरा अनुसार, 7 अक्टूबर, 2020 कें हिनका सब कें कोर्ट मे उपस्थित होबाक अछि।

कोर्ट मे पेश होबाक लेल भेजल गेल नोटिस

मुजफ्फरपुर कें अधिवक्ता सुधीर ओझा कें परिवाद पर कोर्ट सलमान खान, करण जौहर, आदित्य चोपड़ा, संजय लीला भंसाली, एकता कपूर, साजिद नाडियावाला, भूषण कुमार आ दिनेश विजयन कें कोर्ट मे पेश होबय लेल कहने अछि। सभ’ कें अहि संबंध मे डिस्ट्रिक्ट कोर्ट सं नोटिस भेजल गेल अछि।

अपने आ नहि त’ वकीलक माध्यम सं पेशीक आदेश’

वकील सुधीर ओझा सुशांत सिंह राजपूत केर मृत्युक बाद मुजफ्फरपुर सीजेएम कोर्ट मे 17 जून कें परिवाद दाखिल केने छलाह। ओ सुशांत सिंह राजपूत मृत्यु कें लेल सभ’ कें जिम्मेदार ठहराबैत आईपीसीक धारा 306, 504 और 506 कें तहत शिकायत दर्ज केने छलाह। बॉलीवुड अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत 14 जून कें मुंबई स्थित अपन फ्लैट मे आत्महत्या क’ लेने छला।

सुशांत केस मे लगातार जांच क’ रहल सीबीआई-NCB

दोसर ओर मुंबई मे सुशांत सिंह राजपूत केस मे सीबीआई केर टीम लगातार जांच मे जुटल अछि। संगहि ड्रग ऐंगल सामने एलाक बाद नारकोटिक्स कंट्रोल ब्यूरो (एनसीबी) अपन जांच तेजी सं आगू बढ़ा रहल अछि। एनसीबीक टीम कें मुंबई कें ठाणे सं चाइर लोक कें पकड़ने अछि। एनसीबी कें अधिकारी बतओलनि जे मुंबई टीम अंकुश अरेंजा सं ड्रग तस्कर कें बारे मे भेटल खुफिया जानकारीक आधार पर एकटा संदिग्ध कें वर्सोवा सं हिरासत मे लेलक। टीम कें छापेमारी कें दौरान 928 ग्राम चरस आ 4,36,000 रूपयाक नकद बरामद भेल। संगहि तीन अन्य संदिग्ध कें सेहो पकड़लाक जकर पास सं कुल 490 ग्राम गांजा बरामद भेल।

कोनो उत्तर दिय

अपन कमेंट जरूर लिखू !
कृपया अपन नाम एतय दर्ज करू