मदर्स डे किए मनाओल जायत अछि, आउ जनैत छी एकर इतिहास

0
42

दुनिया भरि मे मदर्स डे कें लोकप्रिय बनबय आ ओकरा मनाबय कें परंपरा शुरू करबाक श्रेय अमेरिकाक ऐना एम. जारविस कें जायत अछि। ऐना केर जन्म अमेरिका कें वेस्ट वर्जिनिया मे भेल छलनि। हुनकर मां अन्ना रीस जारविस 2 दशक तक एकटा चर्च मे संडे स्कूल टीचर छलीह। एक दिन केर बात अछि। हुनकर  मां संडे स्कूल सेशन केर दौरान बाइबिल मे मां पर एकटा पाठ कें बारे मे बता रहल छलीह। ओहि समय जारविस 12 सालक छलीह। पाठ करैत हुनकर मां  एकटा इच्छाक इजहार केलनि। ओ अपन मां कें कहैत सुनलीह, एक दिन आयत जखन मां और मातृत्व लेल एक दिन समर्पित होयत। ओहि समय तक सिर्फ पुरुष लेल समर्पित दिन होयत छल जे मनाओल जायत छल। महिला लेल कुनु दिन नै होयत छल।

मां केर मृत्युक बाद चलओलनि अभियान

जखन ऐना केर मायक निधन भ’ गेलनि त’ ओकर दू साल बाद, ऐना आ हुनक दोस्त सब एकटा अभियान चलओलनि। ओ सब मदर्स डे कें राष्ट्रीय छुट्टी लेल लोकक समर्थन हासिल केलनि। ओ सब कहलनि जे आमतौर पर बच्चा अपन मायक योगदान बिसरा देइत छै। ओ चाहैत छलीह जे जखन मां जिंदा रहैत त’ बच्चा हुनक सम्मान करथि आ हुनकर योगदानक सराहना करी। हुनका उम्मीद छल जे आजुक दिन मदर्स डे मनायल जायत त’ मां आ पूरा  परिवारक आपस मे संबंध मजबूत होयत। 8 मई, 1914 कें संयुक्त राज्य अमेरिकाक संसद मई कें दोसर रविवार कें मदर्स डे घोषित केलक। अमेरिकाक तत्कालीन राष्ट्रपति वूड्रो विल्सन एहि दिन कें राष्ट्रीय अवकाश सेहो घोषित केलनि।

फिजूलखर्ची केर खिलाफ छलीह ऐना

ऐना मदर्स डे केर बाजारीकरणक खिलाफ छलीह। मदर्स डे केर मौका पर फिजूलखर्ची जेना मां कें महंगा गिफ्ट देनाइ आ अन्य खर्च कें गलत मानै छलीह। हुनकर मान्यता छल जे मां कें एहि अवसर पर फूल देबाक चाही। बाद मे ऐना मदर्स डे केर मुनाफाखोरी आ कमाई केर जरिया बनाबय वाला कें खिलाफ अभियान चलबय लागल छलीह। अपन अंतिम दिन मे ओ मदर्स डे कें कैलेंडर सं हटाबय केर मुहिम सेहो चलौलनि।