मिथिला लेल खुशखबरी, स्पाइस जेट दरभंगा एयरपोर्ट कें लेल शुरू केलक टिकट बुकिंग

उड़ान योजनाक तहत यात्रीक सेवा लेल तैयार भ' रहल दरभंगा एयरपोर्ट सं आठ नवंबर सं फ्लाइट सर्विस भैटा लागत । स्पाइस जेट यात्रिक लेल ऑनलाइन टिकट विंडो खोइल देने अछि। दिल्ली, बेंगलुरु आ मुंबई सं आब दरभंगाक लेल टिकटक बुकिंग शुरू भ' चुकल अछि।

0
616

उड़ान योजनाक तहत यात्रीक सेवा लेल तैयार भ’ रहल दरभंगा एयरपोर्ट सं आठ नवंबर सं फ्लाइट सर्विस भैटा लागत । स्पाइस जेट यात्रिक लेल ऑनलाइन टिकट विंडो खोइल देने अछि। दिल्ली, बेंगलुरु आ मुंबई सं आब दरभंगाक लेल टिकटक बुकिंग शुरू भ’ चुकल अछि। मिथिलाक लोक कें बहुत दिन सं दरभंगा सं फ्लाइट सर्विस शुरू होबाक इंतजार छल।

मिथिलाक लोक टिकट बुकिंग करा क’ अपन खुशीक इजहार सोशल मीडिया कें माध्यम सं क’ रहल छथि। अहाँके बता दी जे हाल मे केंद्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री हरदीप सिंह पुरी दरभंगा एयरपोर्टक दौरा केने छला। ओतय ओ टिकट बुकिंग जल्द शुरू होबाक घोषणा केने छलाह।

दरभंगा एयरोपोर्ट केंद्र सरकारक उड़ान योजनाक तहत यात्रीक सेवा लेल विकसित कयल जा रहल अछि। नागरिक उड्डयन मंत्रालय आ बिहार सरकारक बीच भेल समझौताक तहत बिहार मे दरभंगा आ पुर्णिया एयरपोर्ट कें विकसित करबाक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार फैसला लेने छलाह।

ठेकेदारक लेत-लतीफी कें कारण दरभंगा एयरपोर्ट पर फ्लाइट सर्विस मे लगातार देरी होयत रहल अछि। हाल मे जयनगर जेबाक क्रम मे बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ बिहार सरकार मे जल संसाधन मंत्री संजय झा दरभंगा एयरपोर्टक दौरा केने छलाह। सीएम अहि दौरान केंद्रीय मंत्री हरदीप सिंह पुरी सं सेहो बात केने छलाह आ यात्री सेवा जल्द सं जल्द शुरू करेबाक का आग्रह केने छलाह।

अहाँ अपन विचार लिखु

एतय अहाँ अपन विचार दियौ!
दया कय एतय अहाँ अपन नाम लिखू