आजुक मन की बात में प्रधानमंत्री आत्मनिर्भर भारत पर बेसि जोर देलनि। बहुत राज्य मे आब vocal for local पर तेजी सं काज चैल रहल अछि। प्रधानमंत्री local for vocal कें उदारहण दैत मिथिला पेंटिंग ( Mithila Painting) वला मास्क कें जिक्र केलनि। कोरोना कें बचाओ लेल मास्क पहिरनाइ अनिवार्य भ’ गेल अछि. अहि बिच मिथिला पेंटिंग( Mithila Painting) वला मास्क पूरा देशभरि मे एकर प्रोत्साहन कयल जा रहल अछि.

ई मिथिला पेंटिंग वला मास्क कें पहुंच बॉलीवुड धरि अछि , किछू दिन पहिने रवीना टंडन सेहो एकर तारीफ केने छलि. ई आब एते प्रसिद्ध अछि जे एकर मांग ओतय सप्लाई नै अछि। एकर प्रशंसा सब दिस भ’ रहल अछि। ओना मोदी बहुत स्थान पर मिथिला पेंटिंग कें आगू अनबाक प्रयास केने छैथ। ई मास्क अहिलेल सेहो महत्वपूर्ण अछि जे कोना कोनो विपरीत परिस्थिति में ओहि मे अवसर के खोजल जा सकेत अछि. प्रधानमंत्री कें मिथिला पेंटिंग वला मास्क में vocal for local आर आत्मनिर्भर भारतक लक्ष्य सेहो पूर्ण होयत अछि.