मधुबनीके DM कहलनि सभके भेटत साबुन तथा मास्क

0
195

मधुबनीके कलक्टर फेसबुक पर एकटा पोस्टके माध्यम सँ जनतब करौलनि जे बिहार सरकार सभ परिवारके साबुन तथा मास्कके वितरण करत।

मधुबनीके कलक्टर जनौलनि जे साबुन तथा मास्कके वितरण पंचायती राज्य द्वारा कराओल जायत जे संवंधित वार्ड मेम्बर द्वारा प्रत्येक परिवार द्वारा पहुँचायल जायत।

मधुबनीके कलक्टरके पोस्ट

कलक्टरके फेसबुक पोस्टमे कहल गेल अछि जे वार्ड मेम्बर सोशल डिस्टनिंग सेहो मेंटेन करओता। सङ्गहि सभके मास्क पहिरबाक अनुरोध केलनि तथा लोकके मास्क पहिरबाक लेल प्रोत्साहित करबाक सेहो अनुरोध केलनि।