आल इंडिया स्टूडेंट्स फेडरेशन जिला परिषद कें द्वारा भारती मंडन महाविद्यालय रहिका मे राज्यव्यापी कार्यक्रम कें तहत जिला उपाध्यक्ष कुमार गौरव केर अध्यक्षता मे धरना देल गेल। जिला सचिव विकास झा कहलनि जे आइ पूरा देश आ राज्य करोनाक चपेट मे अछि आ सरकार अहि विकट दौर मे सेहो विभिन्न तरहक परीक्षा लेबाक घोषणा क’ देने अछि। जे कि छात्रक संगे मजाक अछि। संगठन मांग करैत अछि जे जखन धरि कोरोना सं पूर्ण रूप सं निजात नहि भेट जायत अछि, तखन धरि सभ’ परीक्षा कें स्थगित कयल जाय। कोरोना अवधि मे सभ’ स्कूल केर छ माष कें फीस वसूली पर सख्ती सं रोक लगाओल जाय। बिजली बिल इत्यादि कें माफ कयल जाय आ निजी स्कूल कें संचालक केर आर्थिक मदद कयल जाय। एआईएसएफ जिलाक संयुक्त सचिव रमेश यादव कहलनि जे कोरोनाक दौर मे केंद्र सरकार सभ’ सरकारी संस्थान कें निजीकरण क’ रहल अछि। आबय वला दिन मे संगठन आरपार केर लड़ाई लड़त। मौका पर विकास ठाकुर, कन्हैया कुमार, राज किशोर, संतोष कुमार, अजय ठाकुर, विक्रम रवि, समीम, हबीबुल्लाह, फजले रहमान, सूरज कुमार सहित बहुत छात्र नेता सभ’ कें संबोधित केलनि।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु