चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

0
358

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि। विजन डाक्यूमेंट पेश करय सं पहिने ओ अपन मां कें आर्शीवाद लेलनि। मीडिया कें सामने विजन डॉक्यूमेंट पेश करैत बिहार मे युवा सं जुड़ल मुद्दा सेहो उठौलनि।

ओ बिहार मे रोजगार आ बिहार सं भ’ रहल पलायन सं जुडल विषय पर चर्चा केलनि। ओ सीएम नीतीश कुमार पर सेहो निशाना सधलनि। ओ कहलनि जे सरकार मे एला पर युवा कें लेल बनत रोजगार पोर्टल।

JDU सं बेसी सीट पर केलनि जीतक दावा
अहिसँ सं पहिने बीतल सोमदिन लोजपा प्रमख चिराग पासवान कहलनि जे हमरा ककरो ‘B टीम’ बनेबाक जरूरत नहि अछि। लोक जनशक्ति पार्टी अपन विचारधारा संगहि चुनाव लड़ि रहल अछि। जे लोक डरैत अछि मुख्यमंत्री (नीतीश कुमार) ओ भ्रम फैला रहल अछि। हम हुनका कही दी जे हम JDU सं बेसी सीट पर चुनाव लड़ि रहल छी आहुनका सं बेसी सीट जीतब।

अहाँ अपन विचार लिखु

एतय अहाँ अपन विचार दियौ!
दया कय एतय अहाँ अपन नाम लिखू