लालू प्रसाद कें दिवाली आ छठ अहि बेर सेहो जेल मे बितोओता। चारा घोटाले कें दुमका कोषागार सं अवैध निकासी कें मामला मे जमानतक लेल हुनका आब 27 नवंबर कें इंतजार करय परत। झारखंड हाईकोर्ट मे लालू प्रसाद कें जमानत याचिका पर सुनवाई कें दौरान जवाब दाखिल करबाक लेल सीबीआई अदालत सं समयक मांग केलक।
सीबीआई कें ओर सं बताओल गेल अछि जे लालू प्रसाद कें दावा पर ओ जवाब दाखिल करत। एकरा लेल ओकरा समय चाहि। अहि आग्रह कें स्वीकार करैत जस्टिस अपरेश कुमार सिंह कें अदालत सीबीआई कें 24 नंबर धरी कें समय देलनि आ सुनवाई 27 नवंबर कें निर्धारित क’ देलनि। अहि दिन कही लालू प्रसाद कें जमानत मिलैत अछि त’ ओ जेल सं बाहर आबि जेता।