“कवि कल्पना” मैथिली लघु फिल्म सम्पूर्ण संवाद काव्यात्मक शैली में छैक. कवी भाष्कर एकटा आत्ममुग्ध कवी के चरित्र रूप में पुरुष मानसकिता के प्रतिनिधि करैत छथि. हुनकर कनिया शोभा अपन आत्ममुग्ध कवि पति के कविता संसार स तंग रहित छथि. एक दिन अनायास कवि भाष्कर के नारी रहश्य पर कविता लिखबाक आमंत्रण भेटैत छनि. कवी जी एकरा चुनौती एवं अपन कवित्व के जगत प्रसिद्ध करेवाक अवसर मानैत कविता लिखबा में अपन कनिया स सहयोग स्वरूप हुनकर विवाह पूर्व जीवनक प्रेम प्रसंग सभक रहस्य बतेबाक आग्रह करैत छथि. आगा जे होइत अछि से प्रस्तुत फिल्म में देखायल गेल अछि.
अभिनेता : भाष्कर झा एवं रौशनी झा
ध्वनि विन्यास : शंकर सिंह.
पार्श्व संगीत : प्रवेश मल्लिक
सम्पादन : मो. सुहेल
अंग्रेजी अनुवाद : प्रभात झा
निर्देशन सहायक : रूपक शरर एवं मुकुल कर्ण
रूप सज्जा : अभय सिंह संवाद,
पटकथा, छायांकन एवं निर्देशन : विकास झा
निर्माता : मनोज महेश्वर एवं विकास झा
स्रोत : MADHUR MAITHILI मधुर मैथिली यूट्यूब चैनल