जन अधिकार पार्टी कें संरक्षक वा पूर्व सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव एनडीए सरकार द्वारा लाओल गेल कृषि विधेयक कें खिलाफ सड़क पर उतरबाक ऐलान केलनि। खेती कें अमीरक हाथ मे गिरवी रखय वला कानून करार दैत विधेयक कें खिलाफ 27 सितंबर कें बिहार बंदक घोषणा केलनि। ओतय, 20 सितंबर कें पार्टी कें कार्यकर्ता सभ’ जिला मुख्यालय मे प्रधानमंत्रीक पुतला फुकता।
पप्पू यादव कहलनि 21 तारीख कें पोल खोल नुक्कड़ सभा होयत आ 26 सितंबर कें मशाल जुलूस निकालल जायत। किसान कें लेल एहन कानून बनाओल जाय जे हुनकर अनाज एमएसपी- न्यूनतम समर्थन मूल्य सं कम पर नै बिकाय। भरोसा दिओलनि जे अगर हिनक पार्टी कें सरकार बनैत अछि त’ किसान सं शत-प्रतिशत अनाज खरीदनाइ सुनश्चिति करब।