मैथिली विरोधी लोकिन जानकी नओमीक शुभकामना मैथिलीमे दय रहल छथि!

0
239

एकदिस प्राथमिक शिक्षाके माध्यम पर मैथिलीभाषा पर प्रतिबन्ध लगेनिहार सभ आइ जानकीके प्राकट्य दिवसके शुभकामना मैथिलीमे दय रहलाह अछि।

जनतब होयत जे बिहार राज्य मैथिली विरोधी द्वारा काबिज आओर सञ्चालित अछि। जतय मातृभाषाके विषयमे हिन्दी पढ़य लेल मजबूर कयल जायत छै ओतयके मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मैथिलीमे ट्वीट केलनि अछि।

बिहारक मुख्यमंत्री ट्वीट कएलनि

मिथिलाक धिया, जनकनंदिनी, माता सीताक प्राकट्योत्सव पर्व जानकी नवमीक पावन अवसर पर अहाँ सभकेँ हार्दिक बधाइ आ शुभकामना। शक्ति, सेवा, समर्पण आ मर्यादासँ भरल माता सीताक जीवन संपूर्ण मानव जातिक लेल प्रेरणा स्रोत अछि। मां जानकी सभक कल्याण करथि, यैह कामना अछि।

ओतय विपक्षी नेता तथा लालू प्रसाद यादवके बेटा सेहो मैथिलीमे जानकी नओमीके शुभकामना देलाह

ओतय भाजपा नेता सुशील कुमार मोदी जानकी नओमीक लेल जे ट्वीट केलनि से हिन्दी भाषामे छल। भाजपा नेता मंगल पाण्डेय सेहो मैथिलीमे ट्वीट नहि कय हिन्दीमे ट्वीट कएलनि।

जदयूके नेता तथा बिहारक मन्त्री सञ्जय कुमार झा सेहो मैथिली तथा हिन्दी दुनु भाषामे भगवती सीताके प्राकट्य दिवस पर ट्वीट कएलनि।

दुर्भगय सँ उर्दू प्रेमी बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रके पूत नीतीश मिश्रा सेहो अपन मातृभाषा मैथिली तथा हिन्दीमे ट्वीट कयलाह
सीतामढ़ी सँ राजद नेत्री मैथिलीमे ट्वीट कयलीह।
बिहारक भाजपा नेता तथा उपमुख्यमंत्री ताराकिशोर प्रसाद मैथिलीमे ट्वीट नहि कएलनि।

भाजपा नेता आओर दड़िभङ्गाके साँसद गोपाल ठाकुर जानकी नओमीके बड़ी यूनिक तरीका सँ याद केलनि

कोनो उत्तर दिय

अपन कमेंट जरूर लिखू !
कृपया अपन नाम एतय दर्ज करू