रांची सं बिहार-बंगालक यात्रिगण कें लेल खुशखबरी, देखू लेटेस्ट अपडेट

रांची सं बिहार आ बंगाल कें यात्रा करय वला यात्रिक लेल शुभ समाचार अछि. रांची रेलवे स्टेशन सं बिहार आ बंगाल कें लेल जल्द ट्रेन चैल सकैत अछि. अधिकारि द्वारा एकर तैयारी शुरू क' देल गेल अछि.

0
214

रांची सं बिहार आ बंगाल कें यात्रा करय वला यात्रिक लेल शुभ समाचार अछि. रांची रेलवे स्टेशन सं बिहार आ बंगाल कें लेल जल्द ट्रेन चैल सकैत अछि. अधिकारि द्वारा एकर तैयारी शुरू क’ देल गेल अछि. एतबे नहि, दिल्ली कें लेल सेहो एकटा ट्रेन शुरू करबाक तैयारी कयल जा रहल अछि. बताओल जा रहल अछि जे त्योहार कें देखैत अहिसँ पहिने ट्रेनक परिचालन कयल जायत.

कोरोना महामारी कें ल’ लागू लॉकडाउन सं पहिने रांची रेलवे स्टेशन सं 54 ट्रेन चलैत छल. लॉकडाउनक बाद सभ’ ट्रेन कें परिचालन बंद क’ देल गेल. अनलॉक केर प्रक्रिया शुरू होयत रांची सं दिल्ली कें लेल राजधानी स्पेशल ट्रेन आ रांची सं पटना कें लेल जनशताब्दी एक्सप्रेस ट्रेन चलाओल गेल.

अखन किछू दिन पहिने रांची सं गुजरय वला ट्रेन सिकंदराबाद दरभंगा एक्सप्रेस ट्रेन शुरू कयल गेल अछि, जखन रांची पटना जनशताब्दी एक्सप्रेस कें किछू दिन पहिने बंद क’ देल गेल छल. आब अहि ट्रेन कें फेर सं पटरि पर दोरबाक कार्यवाही शुरू कयल गेल अछि. भेटल जानकारी कें अनुसार राज्य सरकारक एकरा लेल रेलवे कें ओर सं पत्र भेजल गेल अछि. राज्यक हेमंत सोरेन सरकारक हरी झंडी भेटैत रांची पटना जनशताब्दी एक्सप्रेस दोरय लागत.

रांची सं बिहार आ बंगाल कें लेल ट्रेनक जरूरत अछि. अहिलेल रांची सं हावड़ा आ बिहार जाय वला ट्रेन जल्द शुरू कयल जायत. एकरा संगहि दिल्ली कें लेल सेहो अधिक संख्या मे यात्री निकैल रहल छथि. अहिलेल दिल्ली कें लेल सेहो एकटा ट्रेनक परिचालन कें प्रयास कयल जा रहल अछि.

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here