ईरान अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रंप कें खिलाफ अरेस्ट वारंट जारी केने अछि। एकरा संगे, ईरान कें टॉप जनरल कासिम सुलेमानी केर बगदाद कें ड्रोन हमला मे भेल मृत्यु मे शामिल दर्ज अन्य लोकक खिलाफ सेहो वारंट निकालयत तेहरान पकड़बाक लेल इंटरपोल से मदद मँगने अछि। स्थानीय अभियोजक सोमवार क’ अहि बात केर जानकारी देलाक।

न्यूक्लियर डील मे तेहरान कें संग अमेरिका कें पीछा हटबाक बाद सं दूनु देशक बीच तनाव चरम पर अछि, ऐना मे ईरान कें अहि कदम सं तनाव आर बढ़त। जखन, अहिसँ राष्ट्रपति ट्रंप क’ गिरफ्तारी कें कोनो खतरा नै अछि।

तेहरान कें अभियोजक अली अलकासीमहर कहलनि जे ईरान 3 जनवरी क’ बगदाद मे भेल हमला मे ट्रम्प आ 30 सं अन्य लोक कें शामिल रहबाक आरोप लगने अछि। ओहि हमला मे जनरल कासिम सोलेमानी केर मौत भ’ गेल छल। अर्ध-सरकारी संवाद एजेंसी आईएसएन केर खबरक अनुसार अलकासीमर ट्रंप कें अलावा कोनो अन्य केर पहचान नै केने अछि । परन्तु जोर देने अछि जे ईरान ट्रंप कें कार्यकाल खत्म होबाक बाद सेहो अभियोजन क’ जारी रखत।

फ्रांस कें लियोन मे स्थित इंटरपोल टिप्पणी कें अनुरोध पर तत्काल कोनो जवाब नै देने अछि। एहन संभावना नै अछि जे इंटरपोल ईरान कें अनुरोध क’ स्वीकार करत कियाक, ओकर दिशा-निर्देश कें अनुसार ओ कोनो “राजनीतिक प्रकृति” कें मामले मे हस्तक्षेप नै क’ सकेत अछि।