Ipl 2021 चेन्नई सुपरकिंग्स के लेल दोहरा शतक जड़ताह महेंद्र सिंह धोनी फैंस सब के मिलत बड़का तोहफ़ा

0
44

क्रिकेट न्यूज़ :- चेन्नई सुपरकिंग्स अउर राजस्थान रॉयल्स क बीच आई शाम 7:30 सँ हेत भिड़ंत।
अइ मैच के तहत चेन्नई सुपरकिंग्स केर कप्तान महेंद्र सिंह धोनी बड़का रिकॉर्ड अपन नाम क सकै छैथ।
दरअसल धोनी आइपीएल मेँ 200वीं बेर कुनो टीमक अगुवाई करै मैदान में उतरता।
धोनी तीन आईपीएल खिताबक साथ लीगमेँ सबसँ सफल छैथ।


एतेबै नै मौजूदा सीजनक अंतर्गत हुनके नेतृत्व मेँ चेन्नई प्लेऑफ मेँ पहुँच गेल । बता दिया कि महेंद्र सिंह धोनी अखन तक चेन्नई के लेल बतौर कप्तान 199 मैच मेँ 119मेँ जीत अउर 79 मेँ हारक सामना करअ पड़ल मुदा एकटा मैच के नतीजा सेहो नै निकैल पैल।
आईपीएल मेँ धोनीक जितक प्रतिशत सबसँ ज्यादा 66.10 प्रतिशत अछि।

धोनी के बाद अइ सूची के अंतर्गत 59.52 प्रतिशत के संगे मुम्बई इंडियंस के कप्तान रोहित शर्मा छैथ
आहाँ सभकेँ बता दिया कि धोनी आईपीएल 2008 यानी पहिल सीजन सँ चेन्नई सुपरकिंग्स के कप्तानी करैत छैथ।जहन आईपीएल मेँ चेन्नई पर दु सालक बैन लागल रहै तहन धोनी पुणे सुपरजायंटक हिस्सा बनि गेल रहथिन।