छैठ-दिवाली सं पहिने रेलवे देलक यात्रिगण कें उपहार, पूर्व मध्य रेलवे चलाओत 14 जोड़ी पूजा स्पेशल ट्रेन, देखू पूरा लिस्ट

कोरोना काल मे ट्रेनक संख्या अखन कम अछि, मुदा पर्व-त्योहार कें देखैत रेलवे आर बेसी स्पेशल ट्रेन चलेबाक निर्णय केने अछि।

0
282

कोरोना काल मे ट्रेनक संख्या अखन कम अछि, मुदा पर्व-त्योहार कें देखैत रेलवे आर बेसी स्पेशल ट्रेन चलेबाक निर्णय केने अछि। पूर्व मध्य रेल (ईसीआर) आगामी त्योहार मे यात्रि कें होबय वला भीड़ कें ध्यान मे रखैत ओकर क्षेत्राधिकार कें विभिन्न स्टेशन सं 14 जोड़ी पूजा स्पेशल ट्रेन चलाओत।

ईसीआर कें मुख्य जनसंपर्क अधिकारी राजेश कुमार चलाओल जाय वला 14 जोड़ी पूजा स्पेशल ट्रेनक बारे मे विस्तृत ब्यौरा दैत बुधदिन बतओलनि जे गाड़ी संख्या 03185 सियालदह-जयनगर पूजा स्पेशल ट्रेनक परिचालन 20 अक्टूबर सं 30 नवंबर धरी प्रतिदिन कयल जायत। अहि तरहे 03186 जयनगर-सियालदह पूजा स्पेशल 20 अक्टूबर सं 01 दिसंबर धरी प्रतिदिन चलत।

ई ट्रेन मे वातानुकूलित द्वितीय आ तृतीय श्रेणीक एक-एक, शयनयान श्रेणीक नौ तथा साधारण श्रेणीक पांच कोच होयत। ओतय, 03021 हावड़ा-रक्सौल स्पेशल 20 अक्टूबर सं 30 नवंबर धरी तथा 03022 रक्सौल-हावड़ा स्पेशल 20 अक्टूबर सं 01 दिसंबर धरी प्रतिदिन चलत।

कुमार बतओलनि जे गाड़ी संख्या 03019 हावड़ा-काठगोदाम स्पेशल 20 अक्टूबर सं 30 नवंबर धरी तथा 03020 काठगोदाम-हावड़ा स्पेशल 22 अक्टूबर सं 02 दिसंबर धरी प्रतिदिन चलत। अहि तरहे गाड़ी संख्या 02331 हावड़ा-जम्मूतवी स्पेशल 20 अक्टूबर सं 28 नवंबर कें बीच प्रत्येक मंगलदिन, शुक्रदिन आ सैंदिन हावड़ा सं जम्मू तवी कें लेल खुलत। ओतय, 02332 जम्मूतवी-हावड़ा स्पेशल कें परिचालन 22 अक्टूबर सं 30 नवंबर धरी रहत।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here